मुकेश पाठक के दरभंगा आनल गेल लहेरियासराय थाना में पूछताछ चैल रहल छैन्ह

दरभंगा। 12 जुलाई। बहेरी थाना छेत्र के बहुचर्चित दोहरा अभियंता हत्याकांडक मुख्य अभियुक्त मुकेश पाठक के आई पटना स दरभंगा दिन के करीब एक बजे बहुत सुरक्षा संग आनल गेलैन्ह, ओ ओहि समय में हाफ पेंट आ टी शर्ट पहिरने रहैथ आ चेहरा पर पट्टी बांधल रहैन्ह, ओतय सुरक्षा के पुख्ता इंतजाम छल आ सूत्र के अनुसार पता लागल जे आई शाम हुनका कोर्ट में पेश कएल जेतैन्ह आ पुलिस रिमांड के मांग क क हुनका सं गहन पूछताछ करत, पता हेबाक चाही की गत 26 दिसम्बर क बहेरी थाना छेत्र के गंगदह गाऊँ में मुकेश पाठक आ हुनक साथी ए के 47 सं सरक निर्माण कंपनी केर काज करबैत दू टा अभियंता के छलनी क देलखिन्ह जाहि स हुनक मृत्यु ओतय भ गेल छलैन्ह लेकिन स्थानीय लोक हुनका दरभंगा मेडिकल महा बिद्यालय ल गेलखिन्ह लेकिन चिकित्सक मृत घोशीत क अन्त्य परिक्षण के लेल पठा देलखिन्ह, ओकर बाद लगातार पुलिस हुनक तलाश में जुटल रहैथ लेकिन संयोग स ओ झारखण्ड राज्य स गिरफ्तार भेलाह एही सं साफ संकेत लागी रहल अइछ जे हिनका नक्सली सं सेहो संरक्षण प्राप्त छल, हुनक नेपाल में छिपल हेबाक आयाश सेहो लगेल जा रहल छल।

संजीब झा.

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ