बम्बई मेँ भेल माछक बारिश, मुंबई-पुणे हाईवे पर सगरे पसरल माछ

मुंबई। 12 जुलाई। आय धरी अपने बरफक बारिश केर बारे मेँ सुनना आर देखने होयब। मुदा आय मुंबई-पुणे हाईवे पर दुपहर म' माछक बारिश भेल अछि। एहि बारिश केर वीडियो आर फोटो सोशल मिडिया पर वायरल भ' गेल अछि।

सोशल मीडिया पर डालल गेल फोटो आर वीडियो म' बहुतो लोग मुंबई-पुणे हाईवे पर पसरल माछ उठबैत उठबैत देखल गेल अछि। सुचना केर मुताबिक़ कैको किलोमीटर तक एहि तरहे सड़क  पर माछ पसरल छल। जाहि के उठेबाक होड़ म' सड़क पर लंबा जाम लागि गेल छल।

कुछ लोग एहि पूरा घटना केर वीडियो अप्पन मोबाइल फोन सेँ तैयार करी  फेसबुक आर ट्विटर पर द' देलाह जे वायरल भ' गेल अछि। ओना  आधिकारिक तौर पर एहि तरहक माछक बरसात केर पुष्टि स्थानीय प्रशासन दिस सेँ एखन धरी नै भेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ