~ कने एक रत्ती चाहक पात बरकबितहु ! हे कने ठोर पकाउ ने
~ इ मनसा कोनो काज - राज करत नहि आ आँगन आयत तऽ देह डाहय बला गप सब करैत रहत !
~ हउ ने तमसाइत किआक छी एतेक ? नहि दूध मऽ हेतय तऽ कने बाड़ी बला कागजी नेबो गाड़ि देबय !
~ जाउ'क ने कने बारी , नेबो खायताह नेबो'क पात तऽ छूबहे नहि देतहि !
~ से किआ हमरहि रोपल नेबो आ हमरहि नहि तोरऽ देत ?
~ किआ'क तोरऽ देतैक अपन रहतै तखन ने तोरऽ देतहि ? रोपने कि गाछ भऽ जाइत छैइक ?
~ तखन हम पूछय छियैक हमर बाप - बाबा'क पुस्तैनी छी ओ बाड़ी तखन के नहि तोरऽ देतहि ?
~ दोसर के नहि तोरह देतहि ? दोसर कैऽ कोन काज छय ओहि संऽ ?
~ तखन के नहि एकरा बाड़ी जाय दैइत छैइक ?
~ आर के दियर - देआदनि ! कहैत छहि जे हम जे एतैक दिन संऽ घर मे खर्चा केलिएहि तकर बदला मे ओ बाड़ी लेलिएहि ! आ कहैत छलहि जखन ओहि पाय'क फाँट हमरा देत तखनहि हम बारी जाय देबैक अन्यथा नहि !
~ आ हम जे ओकरा पढ़ा - लिखा कऽ मनुख्ख मनेलिएहि से ?
~ तकर कोनो मान नहि ओ नगद खर्च केने छहि सझिया घर मे !
~ जाहि भाईयक खातिर खून - पसीना एक केलहु से भाई एहन भऽ गेेल ?
~ आओर काज राज छोड़ि कऽ दनाने - दनाने अपन भाई'यक बड़ाई छटने ने फिरउ - - - - -
वी०सी०झा"बमबम"
कैथिनियाँ

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।