यात्री सभक सुविधा केँ देखैत, दरभंगा क्षेत्रीय परिवहन प्राधिकार द्वारा उठाओल गेल नीक डेग

दरभंगा। 29 जुलाई। बस यात्रि सभ क' यात्रा केँ समय कुनु भी तरहक  समस्या केर तुरंत निदानक लेल दरभंगा क्षेत्रीय परिवहन प्राधिकार द्वारा नीक डेग उठाओल गेल अछि। जाहि कारण सँ बस मालिक सभ क' परमिट लेबै सँ पहिने वाहन मालिक व यात्रा सँ संबंधित जानकारी बस पर लिखाबे पैड़ रहल छैन्ह। दरभंगा क्षेत्रीय परिवहन प्राधिकार द्वारा बस केँ प्रस्थान सँ गंतव्य स्थल तक केँ दूरी, भाड़ा केँ संगहि समय केर चार्ट बनाकेँ बसक प्रवेश द्वार पर लगेनाइ जरूरी क' देल गेल अछि ।

यात्रि सभ केँ आब बुझबा मेँ दिक्कत नै होयत कि बस किनकर छी। ड्राइवर आर कंडक्टर केर नाम सेहो किनको सँ पुछबाक जरुरत नै पड़त।  प्राधिकार द्वारा यात्रि सभक एहि समस्या केर निदान लेल कैको डेग उठाओल गेल अछि।

आब जल्दे बस केँ भीतर बस मालिक केर नाम पताक संगे संग मोबाइल नम्बर लिखल भेटत। ड्राइवर आर कंडक्टर केँ नाम आर मोबाइल नंबर सेहो लिखल भेटत। महिला आर विकलांगक लेल आरक्षित सीट केँ संकेत सेहो बस के भीतर लिखल भेटत। यात्रि सभ केँ यदि पुलिस सुरक्षा केर जरूरत महसूस होयत तेँ संबंधित थाना केँ नम्बर सेहो बस के भीतर लिखल भेटत। मतलब आब बस यात्रि सभ केँ कुनू भी तरहक असुविधा भेला पर बस यात्रा केर दौराने संबंधित लोग क' फोन करि निदान पेबाक पूरा अवसर भेटत।

दुर्घटना केँ समय संकट द्वार व फस्ट ऐड केँ लेल दवा बस मेँ राखब जरुरी क' देल गेल अछि। कैल्ह गुरुवार दिन छह बस केँ परमिट देबै सँ पहिने  क्षेत्रीय परिवहन प्राधिकार केर संयुक्त सचिव केदारनाथ, एमवीआई एसपी तिवारी आर डीटीओ विकास कुमार केर संयुक्त टीम एहि बिंदु केर जांच  कएलनि। उम्मीद अछि दरभंगा क्षेत्रीय परिवहन प्राधिकार द्वारा उठाओल गेल डेग केँ अनुसरण आन सभ जिलाक परिवहन प्राधिकार करत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने