हाथ के मेहँदी सुखलो नै छल छमा प्रिया के आ हुनक पति शहीद भ गेलखिन्ह.

बिहार 19 जुलाई:- मात्र 22 दिन पहिने जाहि छमा प्रिया के हाथ में मेहँदी लगलैन्ह आ अप्पन बाबुलक घर सं बिदा भ पिया के आँगन चहकैत एली हुनका मंगल दिन बिश्वाश नै भ रहल छलैन्ह जे हुनक सुहाग उजैर गेलैन्ह, भाई बिपिन जखने मंगल दिन दुपहरिया के 1 बजे बतेलखिन्ह जे हुनक पति दिवाकर शहीद भ गेलखिन्ह की ओ अचेत भ क गिर परलखिन्ह आ समझ में नै आबि रहल छलैन्ह जे की स की भ गेलई हुनक कानब आ चीत्कार सुनी क सबहक कलेजा दहैक गेल, बार बार बेहोश छमा प्रिया एतबे बजैत छलीह जे हुनक दिवाकर के किछू नै भेलैन्ह ओ ठीक छथिन्ह लोक हुनक शादी स जलैत छथिन्ह ओहि लेल झूठ बाजी रहल छैथ।।
सब महिला चुप करबैत हुनका लेकिन ओ अपन फूलल आँखि सं ठाढ़ लोक के निहारैत छलीह आ फेर जोर जोर स कनैत छलीह, मात्र 20 सालक उम्र में हुनक बिधवा भ जेनाई लोक देखि देखि सिहैर जाइत छलीह, छमा प्रिया के भाई बिपिन बतेलैन्ह जे मंगल दिन 1 बजे सुचना भेटल जे भाई दिवाकर शहीद भ गेलाह, उमहर शहीद दिवाकर के माँ सुनीता देवी के जखन पता चललैन्ह जे हुनक एकलौता बेटा दिवाकर शहीद भ गेलखिन्ह त ओहो बेहोश भ क गिर गेलीह, लगभग डेढ़ वर्ष पहिने शहीद दिवाकर के माँ के किडनी के ऑपरेशन पटना में भेल छलैन्ह, ओहिना जखन हुनक पिता तुनुकलाल तिवारी के पता चललैंह त ओ चौकी पर लेट गेलाह आ आँखि सुनी भ गेलैन्ह आ बस लेटले लेटले आबै जाई बला के देख रहल छलाह, आर बहिन शीला जे महेंशखूंट में रहै छलखिन्ह पता  में ककरो बिश्वास नै भ रहल छैक जे हुनक दुलारा दिवाकर आब एही दुनिया में नै छथिन्ह, सीआरपीएफ के कोबरा बटालियन में काज करैत दिवाकर देश के लेल शहीद भ गेलाह,
शहीद दिवाकर के गाँव आ ससुराल बला हुनका पर फक्र करैत कहला जे दिवाकर अप्पन मैँट के के कर्ज चूका क देश के लेल शहीद भेला।।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ