बिधवा कही अपमान केलैन्ह हेडमास्टर आ रसोइया पद स निकैल देलखिन्ह डीएम करबेलैन्ह पुनः बहाल आ हुनक बनेल खाना सेहो खेलाह.

औरंगाबाद २६ जुलाई:- औरंगाबाद स्थित रफीगंज प्रखंडक बटुरा मिडिल स्कूल केर रसोइया उर्मिला के बिधवा कही क ओहि स्कूल केर हेड मास्टर निकैल देलखिन्ह,जखन एही बात के जानकारी ओतय के डीएम के भेटलैन्ह त आई मंगल दिन सिर्फ बहाले टा नै केलाह बल्कि हुनक बनेल खाना सेहो खेला आ एहि स रूढ़िवादी परंपरा के तोरै के सन्देश देलाह आ बिधवा हेबाक कारने हटेल गेल महिलाक हाथ स बनल खाना खा क डीएम कंवल तनुज सिर्फ परंपरा नै तोरलैन्ह ओ समाज के बिच निक सन्देश देलैन्ह.

डीएम कंवल तनुज रसोइया के बहाल करैत हेडमास्टर पर कारवाइ के आदेश दैत हेड मास्टर के निलंबित सेहो क देलखिन्ह.

उर्मिला कुँवर के वर्ष २००५ में बहाली कएल गेल छल आ वर्ष २०१४ में विधवा भेलाक कारने हुनका रसोइया पद स हटा देल गेल छल,

डीएम के जानकारी भेटलैन्ह त ओ स्कूल गेला आ हेडमास्टर स पुछला आर जाँच केलैन्ह त हेडमास्टर शिवगोविंद कहलखिन्ह जे रसोइया उर्मिला बराबर अनुपस्थित रहैत छलीह ओहि लेल हुनका हटा देल गेल छल,जखन डीएम ओतय के उपस्थिति रजिस्टर देखला त चैर टा रसोइयक हाजरी नै लागल छल ओ देखि डीएम नाराजगी सेहो जतेलैन्ह.

हेडमास्टर बिद्यालय शिक्षा समिति केर बैठक के जानकारी देलखिन्ह,डीएम रजिस्टर के मांग केलाह ओहि में अँगूठा के निशान उपस्थिति के रूप में देखि ओकरा फर्जी करार देलैन्ह,

ओकर बाद डीएम बच्चा सब संग बैस खाना खेलाह आ जाँच के बाद हेडमास्टर के निलंबित करै आ गलत कागजात तैयार करै के लेल प्राथमिकी दर्ज करै के आदेश देला आ रसोइया रामकेवल यादव जे हटा क उर्मिला देवी के बहाल केला,डीएम ओहि रसोइया जे पासी समाज स आबैत छलीह हुनका घर जा हुनक घर के सेहो जायजा लेलैन्ह.

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने