माय गऽई कने हमरो दाढ़ि दितैंऽ ! एतबहिं छौंड़ा तऽ बाजलहि कि ओम्हर संऽ पितियैन चोट्टहि बाजि उठलैक सदिखन एकर मुह अजबारले रहैैत छैइक मुंह जे लगैत छैइक हपकौरे खाय बला कतहु संऽ आयत कि दूधे - दहि दिस ध्यान लागल रहैत छैइक !
हइया मखानऽ पात पर दइत छियहु आ ने कने ?
किआ अहाँ'क बेटा - बेटी जे खाइत अछि से ! ओ नैन्ह टा छौंड़ा बाजि उठल !
~ ओ सब जे खाईत छैइक से ओकर बाप कऽ माल - जाल छहि ओ खेतय नहि ? ओ सब अपन बापक कमेलहा खाइत छैइक तों कोन बापक कमेलहा खेमे ? जो ने माय के कहियैन बाप'क कमेलहा पाय कऽ हपकौरा देतहु खाय लेल !
छौड़ा निछ्छोहे माय'क कोरा मे आबि बैसि गेलय आ फफकि -फफकि कैंऽ कानऽ लगलैक ! माय हमरा काकी कखनहु किछु दइतो नहि अछि आ लोक सब लग फूसियौं संऽ कहैत रहैत छैइक ओं छौड़ा हमरा धिआ - पूता कैंऽ किछू मुंह मऽ नहि लेबय दइत छैइक सबटा छिन - छपैट कऽ खा लइत छैइक तेहन ढिठगर छय ! माय काकी हमरा सदिखन किआ दबारैत रहैत अछि ? ओ अपना बेटा-बेटी कऽ कहाँ किछ कहैत छैइक हमरे टा किआक ? तूं तऽ ओकरा बेटा कऽ किछ नहि कहैत छहि तइयो हमरा किआ'क ओ ?
माय गऽई कि अप्पन बाबू नहि कमाइत छलैक ? कि अपनो बाबू रहितैक तऽ ओकरहि सब जकाँ तुहूँ हमरा हपकौरा दैतहि ? माय गऽई अपन बाबू कतय चलि गेलय ? ओ आब नहि अउथिन घूरि कऽ - - - -?
माय'क आँखि संऽ नोरक धार छोड़ि आर किछु नहि निकलि सकलहि ओहि बच्चा'क प्रश्नक जबाव मऽ !
वी०सी०झा"बमबम"
कैथिनियाँ

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।