बिहार म' जलप्रलय आनबाक साजिश रचि रहल अछि आतंकी, नेपाल केँ कोसी बराज उड़ेबाक भेटल धमकी

पटना। 25 जुलाई। भारत-नेपाल सीमा पर कोसी नदी पर निर्मित कोसी बराज क' उड़ेबाक धमकी आतंकी संगठन देना अछि। अगर आतंकी एहि क' अंजाम देवा मेँ सफल भेलथि तेँ सगर बिहार म' जलप्रलय सुनिश्चित अछि।

बिहारक शोक कहल जाय बला कोसी नदी एखन उफान पर अछि, बिहार केर कैको गाम मेँ एखन बाढ़ि केँ पैन घुसी चुकल अछि। ऐना मेँ बिहारक लोग सभक मुश्किल बढबै बला समाद पड़ोसी देश नेपाल सँ आइब रहल अछि। एहि क' देखैत नेपाल सरकार अलर्ट भ' गेल अछि आर कोसी बराज केर सुरक्षा बढ़ा देल गेल अछि।

बराज केर सुरक्षा म' सुनसरी जिला प्रशासन केँ संगे - संग एपीएफ केर  एक टुकड़ी केँ सेहो तैनात कायल गेल अछि। ओहिठाम सँ गुजरे बला  गाड़ि सभक सघन जांच भ' रहल अछि। एहि बीच बिहारक वरीय अधिकारी आतंकी धमकी केँ बाबत जानकारी सँ इंकार क' रहल छैथ। दुनु देशक भीच केँ एहि संवेदनशील मामला केर जानकारी सँ अधिकारी भलेही  इंकार करैथ, मुदा नेपाल केँ तरफ सँ एहि समाद केर पुष्टि कायल गेल अछि।

अपने केँ बता दी  कि कोसी 2008 म' कहर बरपेना छल। पिछ्ला 50 बरख  मेँ बिहार म' एहेन बाढ़ि कहियो नै आयल छल। 2008 केर बाढ़ि म' 250 लोग सँ बेसी केर मृत्यु भेल छल, जखन की लाखों लोग बेघर भ' गेल छलाह। करीब तीन लाख घर आर 8.40 लाख एकड़ म' लागल फसल नष्ट भ' गेल छल। ओहि बाढ़ि मेँ सभ सँ बेसी अररिया, पूर्णिया, किशनगंज, मधेपुरा, सहरसा आर सुपौल जिला प्रभावित भेल छल। अगर आतंकी हमला सँ बराज टूटल तेँ ई लीजा फेर सँ तबाह भ' जायत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ