बिहार केर चीनी मिल आर पेपर मिल पहिने बंद भ' चुकल छल, आब रामेश्वर जूट मिल बंद होयबाक समाद आइब रहल अछि

समस्तीपुर। 2 जुलाई। बिहारक दुई  उद्योग चीनी मिल आर ठाकुर पेपर मिल बहुत पहिने बंद भ' गेल छल। आब रामेश्वर जूट मिल के बंद होयबाक सेहो समाद आइब रहल अछि। एहि मिल सँ लगभग पांच हजार लोग क' रोजगार मिलैत छल, मुदा एहि मीलक बंद भेला सँ मिलक कामगार सभ के सोझा भुखमरी केर नौबत आइब गेल अछि।

एहि मीलक  सहारे कतेको मजदूर सभ नै जानी कतेक सपना देखना छलाह। किनको घर म' जवान बेटी केर बियाह  तेँ किनको बुदरू के पढ़ाई के योजना निपल - पोथल चैल गेल अछि। एतबे नै मजदूर सभक कहब छैन्ह कि बकाया पाई देब तेँ दूर मिल प्रबंधन आब बिजली आर पैन सेहो देव बंद क' देना अछि। जाहि कारणे हुनका सभक हाल बद्द सँ बदतर भ' गेल छैन्ह।

अपने क' बता दी कि मिल बंद भेलाक कारण बेरोजगार भेल मजदूर क्षेत्र सँ पलायन करबाक लेल मजबूर छैथ। मुदा  एहि  मजदूर सभक भविष्य केर चिंता नै कुनु जन प्रतिनिधि क' अछि नहिये सरकार क'। मिल बंद हेबाक कारण  जूटक ख़राब क्वालिटी कहल जे रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने