पटना। 4 जुलाई। मांझी केर नीतीश प्रेम पर जदयू प्रवक्ता संजय सिंह कहला की मांझीक लेल जदयू के दरवाजा सदी खन लेल बंद भ' गेल छैन्ह। जीतनराम मांझी जखन नीतीश कुमार के नै भेलाह तेँ आर के कहियो नै हेता।
जदयू प्रवक्ता संजय सिंह कहला नीतीश कुमार ने मांझी क' मुख्यमंत्री बनेलनी मुदा मांझी पीठ म' छुरा भोकबाक काज केलाह। मुख्यमंत्री बनबाक लेल पार्टी म' बहुतो रास नेता छलाह मुदा नीतीश जी हुनका पर विश्वास करी मांझी क' मुख़्यमंत्री बनेलनी। आब जदयू म' मांझी लेल दरबाजा सदिखन लेल बंद भ' गेल छैन्ह।
रविवार दिन हम के राष्ट्रीय अध्यक्ष जीतन राम मांझी द्वारा नीतीश केर प्रशंसा करैत हुनका राजनीति के जन्मदाता कहल गेल छल। एहि के संग मांझी कहने छलाह कि राजनीति संभावना केर खेल छी। लालू आर नीतीश एक भ' सकते छैथ तेँ किछु असम्भव नै अछि।
उम्हर मांझी क' केंद्रीय मंत्री बनेबाक लालू प्रसाद केर बयानक बाद भाजपा द्वारा कड़ा प्रतिक्रिया कायल गेल छल। बिहार विधानसभा म' प्रतिपक्ष के नेता प्रेम कुमार कहला की लालू यादव अप्पन अधिकार क्षेत्र सँ बाहर के बात क' रहल छैथ। इ एनडीए केर मामला छी।
प्रेम कुमार कहला की लालू एनडीए म' फूट डालबाक लेल चाहैत छैथ लेकिन एनडीए एकजुट अछि आर मांझीजी आर भाजपा के नेता हुनकाबयान क' निक जोका बुझैत अछि आर झांसा में नै आबै बला अछि। किएक जे केंद्र म' मंत्री बनेनाय प्रधानमंत्री केर विशेषाधिकार होयत छैक।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।