गया। 2 जुलाई। गया म' इंसेफ्लाईटिस बीमारी केर चपेट म' एखन धरी 11 गोटा आयल छैथ, जहि मे 7 नेना केर मौत अनुग्रह नारायण मगध मेडिकल कॉलेज आर आन अस्पताल म' भ' चुकल अछि।
गया म' लगातार पिछला सात दिन सँ भ' रहल इ बीमारी सँ मौत पर गया म' हाहाकार मचल अछि। शुक्रवार दिन एहि रहस्यमयी ढंग सँ भ' रहल मौत केर जांच करबाक लेल उच्च स्तरीय स्वास्थ्य विभाग के टीम मेडिकल कॉलेज आर आन अस्पताल पहुँचल।
स्वास्थ्य विभाग के टीम म' स्टेट प्रोग्राम ऑफिसर डॉक्टर एम् पी शर्मा आर विश्व स्वास्थ्य संगठन केर डॉक्टर राजेश पांडेय सहित कैको स्वास्थ्य विभाग के उच्च पदाधिकारि सभ एहि रहस्यमयी बीमारी सँ भ' रहल मौत के खौफनाक मंज़र सँ निपटबाक लेल उपाय पर मेडिकल कॉलेज म' उच्च स्तरीय टीम के साथ कैकों घंटा तक गहन मंथन केलाह।
डॉक्टर एमपी शर्मा कहला कि एहि अज्ञात बीमारी क' मेडिकल साईंस के हर नज़रिया सँ जांच करल जे रहल अछि। जांच दलक टीम केर मुताबिक़ खाश करी के गर्मी म' होय बला इ बिमारी सँ पीड़ित हर नेना के इलाजक सब सुविधा मुहैया करायल जायत। नेना सभ के एंटी बैक्टिरियल, एंटी वायरल आर एंटी मलेरिया के दबाय देल जे रहल अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।