
१.सपना सच हुए ओहि लेल सपना देखनाइ जरुरी छै,सपना ओ नै जे राइत में सुतैत देखि सपना ओ हुए जे अहांके सुतय नै दिए.
२.कलाम हरदम युवा स कहैत छलाह की अलग तरीका स सोंचै के साहस केनाइ सेहो जरुरी छै,अबिष्कार के साहस करु,अज्ञात पथ पर चलै के कोशिश करु,असंभव के खोजै के प्रयाश करु आ समश्या के जीतू आ सफल बनु इ सब ओ महान गुन अइछ जाहि दिशा में सब काज करु.
३.कलाम देश में मौजूद भ्रष्टाचार के ल क सेहो चिंतित आ बेसी परेशान रहैत छलाह,अगर एक देश के भ्रष्टाचार स मुक्त हेबाक छै त हम इ महशुश करैत छी की हमरा समाज में एहेन तिन लोक छैथ जे इ क सकैत छैथ ओ छैथ पिता,माता आ गुरु.
४.बिद्यार्थी के प्रश्न जरूर पुछबाक चाही इ बिद्यार्थिक सर्वोत्तम गुण होइत छै.
५.महान सपना देखय बला के सपना श्रेष्ठ होइत छै.
६.आदमी के मुशकिल के सामना करनाय जरुरी छै कियेकि सफलता के लेल इ जरुरी छै सफलता तखने भेटतै जखन मुशकिल के सामना करब.
७.जखन हम बाधा के सामना करैत छी तखन हम पबैत छी की हमरा भीतर साहस आ लचीलापन मौजूद अइछ आ हम सब क सकैत छी जकर जानकारी हमरा खुद नै छल, आर इ तखने सामने आबैत छै जखन हम सफल नै भ क असफल हेबै लगैत छी,जरुरत छै की हम हरदम एही के तलाशी आ जीवन में सफल बनी.
८.कलाम कहैत छलखिन्ह चलु हम अप्पन आई कुर्बान करी जाहि स हम्मर बच्चा के भविष्य के बढियाँ कैल भेटै.
९.भगवान हुनके मदद करैत छथिन्ह जे बहुत मेहनत करैत छैथ,इ सिद्धांत स्पश्ट हेबाक चाही.
१०.हमरा कखनो हार नै मानै के चाही आ समश्या के अपना पर हावी नै हेबय देबाक चाही.
इहो बता दी जे डा.एपीजे अब्दुल कलाम अपन जीवनक आखरी शब्द सं जाइत जाइत एक निक नागरिक लेल सबाल सेहो छोड़ी गेलाह,सबाल इ की दुनिया के एही धरती पर केना जीबै लायक बनेल जे.
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।