सहरसा मानसी रेलखंड पर परिचालन शुरू, फनगो हॉल्ट लग कोसीक कटाव केँ कारण सँ रेल परिचालन बंद छल

सहरसा। 28 जुलाई।  कोसी केँ लाइफ लाइन मानल जाय बला सहरसा-मानसी रेलखंड पर कोसीक कहर तेज भेलाक कारण बंद भेल रेल परिचालन फेर सँ शुरू भ' गेल अछि। ओना तेँ एहि रेलखंड पर मंगले दिन सँ परिचालन बहाल क' देल गेल छल। मुदा मंगल दिन किछ ट्रेन रद्द छल।  कैल्ह  बुधवार दिन सँ सभ ट्रेन पूर्ववत समयानुसार चलब शुरू भ' गेल अछि। एमहर सहरसा-मानसी रेलखंड केँ बीच फनगो हॉल्ट लग कोसी नदी  केर पैनक दबाब एखनो बनल अछि, जाहि सँ रेल परिचालन कखनो बंद भ' सकैत अछि। रेल प्रशासन कटाव स्थल पर सुरक्षात्मक काज चला रहल अछि।

पूर्व मध्य रेल केँ सीनियर डीसीएम वीरेन्द्र कुमार कहला कि फनगो हॉल्ट लग सभ ट्रेन क' रोकलाक बाद दस कि.मी प्रति घंटा केर रफ्तार सँ चलाओल जे रहल अछि। एहि केर अलावा कटाव रोकबाक लेल हर संभव प्रयास कायल जे रहल अछि। बुधवार दिन सहरसा मानसी रेल खंड केँ बीच चलाई बला कोसी, राज्यरानी, जनसेवा सहित सभ पैेसेंजर ट्रेन पूर्ववत निर्धारित समयानुसार चलाओल गेल। जानकी सहित हाटे बजारे एक्सप्रेस, इंटरसिटी केँ परिचालन सेहो शुरू भेल। राज्यरानी, इंटरसिटी सहित गरीब रथ, पुरबिया ट्रेन तीन दिन तक पूर्णत: बाधित छल।

अपने केँ बता दी कि 24 जुलाई सेँ सहरसा-मानसी रेलखंड के बीच रेल परिचालन बाधित छल। 26 जुलाई केँ भोर सँ रेल परिचालन बहाल भेल, मुदा किछ 26 जुलाई दिन रद्द रहल। कैल्ह बुध दिन सँ सभ ट्रेनक परिचालन शुरू भ' गेल अछि। सहरसा- पाटलिपुत्र केँ बीच चलाई बला जनहित एक्सप्रेस सेहो शुरू भ' गेल अछि। ट्रेन शुरू भेला सँ सुनसान सहरसा स्टेशन पर यात्रि सभक आवाजाही बढ़ी गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ