विधवा सँ 'लेडी डॉन' बनल गीता देवी पुलिस के हाथ लागल

पटना। 22 जून। लूट आर छिनौती के वारदात सँ परेशान पटना पुलिस क' अहम कामयाबी भेटल अछि। पटना पुलिस  भोजपुर पुलिस केर मदद सँ एक ऐहेन गिरोह केर भांडाफोड़ केना अछि जे गिरोह पीछला किछ दिन में लूट केर 20 सँ बेसी वारदात के अंजाम देना छैक। एहि गिरोह के सरदार एक महिला गीता देवी छथिन जे भोजपुर के रहिवासी छथि।

गिरोह केर दुई  सदस्य पटना जखन की  चार सदस्य भोजपुर म' पुलिस के हाथ लागल। पटनाक सचिवालय थाना केर  पुलिस द्वारा लूट के लाखों टक्काक  जेवर आर मोटर साइकिल जब्द कायल गेल अछि। एसएसपी मनु महाराज जीक कहब छैन्ह जे लेडी डॉन गीता के अकाउंट म' 30 लाख सँ बेसी टक्काक पता लागल अछि।

पुलिस द्वारा गीता के पास सँ बैंक में जमा टक्का के पता लगेबाक संगे - संग पासबुक सेहो जब्त कायल गेल अछि। इ गिरोह राजधानी समेत बहुतो जगह बैंक सँ पाई निकैल घर ल' जाय बला लोक सभ के अप्पन शिकार बनबैत छल। पिछला सात साल सँ एहि गिरोह के सदस्य लगातार लूट पाट करैत आबि रहल अछि। पुलिस गीता के बेटा क' पकरलक जिनका पास सँ एक सीडी भेटल ओहि सीडी म' टक्का के पूरा हिसाब छल।

गीता लूट पाट के टक्का सँ राजधानी पटना के बेउर इलाका म' बहुत बरका मकान बनबा रहल छलि। मूलरूप सँ आरा केर बभनगांवा के रहिवासी गीता विधवा छथिन जे अप्पन बेटाक मदद सँ इ गैंग ठाढ़ केना छथि। एहि गिरोह के नेटवर्क कैको जिला म' पसरल छै जकर पता पुलिस लगा रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ