सुपौल। 24 जून। एसएसबी आर ड्रग इंस्पेक्टर केर सघन छापामारी म' सुपौल के वीरपुर थानाक्षेत्र केर दिनबन्धी पंचायतक कटैया म' गुप्त सूचना केर आधार पर 284 बोतल कॉरेक्स जब्त कायल गेल अछि। वीरपुर 45वीं बटालियन केर सेनानायक द्वारा पता चलल जे कटिया स्थित बिन्देश्वर यादव जे की झोला छाप डॉक्टर छैथ हुनका घर सँ कॉरेक्स सिरप जब्त कायल गेल अछि।
निरीक्षक शिवनंदन सिंह कहला कि पहिने सँ लगातार इ सूचना भेटैत छल जे बिन्देश्वर यादव कॉरेक्स के कारोबारी छैथ आर कॉरेक्स के सप्लाई नेपाल म' करैत छैथ।
पूर्ण शराबबंदी के बाद लोक म' आब कॉरेक्स केर चलन बढ़ी गेल छैक। किछ दिन पहिनो अररिया म' प्रतिबंधित कोडिनयुक्त 'कॉरेक्स' कफ सीरप के तीन हजार बोतलक संग दुई लोक क' गिरफ्तार कायल गेल छल।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।