उपराष्ट्रपति हामिद अंसारी आय बिहारक दौरा पर औता

पटना। 24 जून। उपराष्ट्रपति हामिद अंसारी आय आद्री केर रजत जंयती वर्षक समारोह पर आयोजित दोसर अंतरराष्ट्रीय सम्मेलन केर उद्घाटन करता। एहि सम्मेलन के मुख्य अतिथि राज्यपाल रामनाथ कोविंद आर विशिष्ट अतिथि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार छैथ।

उपराष्ट्रपति एक घंटा 50 मिनट पटना म' रहता। 11.15 बजे हुनक विमान एयरपोर्ट पर उतरत आर 1 बजी के 5 मिनट पर दिल्ली लेल रवाना होयत। 27 जून तक चलाई बला एहि आयोजन केर थीम अछि  - 'भारत म' सामाजिक सांख्यिकी' 8 तकनीकी सत्र, 10 व्याख्यान व एक पैनल चर्चा हेबाक अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने