पटना। 24 जून। केंद्रीय संचार आर सूचना प्रौद्योगिकी मंत्री रविशंकर प्रसाद दावा केलाह कि एक साल के भीतर पूरा बिहार वाई-फाई सेवा सँ जुइर जायत। एहि सेवा सँ सबसँ पहिने राज्य केर धार्मिक आर पर्यटन स्थल सभ के जोड़ल जायत। प्रमुख शहर जेना पटना, भागलपुर, मुजफ्फरपुर आर गया क' फोर-जी सेवा सँ जोड़ल जायत। पटना केर संचार सदन म' पत्रकार सभ सँ बातचीत म' श्री प्रसाद कहाला कि पर्यटन आर धार्मिक महत्वक शहर नालंदा, पावापुरी, राजगीर आर सीतामढ़ी के तीन-चार मास के भीतर वाई-फाई सेवा सँ जोड़ल जायत। बोधगया क' पहिने वाई-फाई सेवा सँ जोइर देल गेल अछि।प्रसाद जी कहला की पटना हाईकोर्ट परिसर आय यानि शुक्र दिन सँ वाई-फाई सेवा सँ लैस भ' जायत।
पटना केर बेलदारीचक होयत बिहारक पहिल वाई-फाई गाम
एसके मेमोरियल हॉल म' रविशंकर प्रसाद द्वारा पटना के पुनपुन प्रखंड के गाम बेलदारीचक क' बिहारक पहिल वाई-फाई गाम बनेबाक घोसना केलाह। बेलदारीचक गाम बहुत जल्द पूरा तरहे वाई-फाई सँ जुइर जायत। एहि गाम म' वसुधा केंद्र केर माध्यम सँ काज भ' रहल अछि। सभ ग्रामीण क' पहिल बीस मिनट तक फ्री वाई-फाई सेवा केर सुविधा मिलत, ओकर बाद चार्ज लागत। जे सभ ग्रामीण कनेक्शन लेता ओ एहि सुविधा केर लाभ ल' पउता।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।