सहरसा। 20 जून। सहरसा सँ दानापुर के लेल रात्रिकालिन ट्रेन केर परिचालन 22 जून सँ शुरू भ' जायत। ई ट्रेन दीघा ब्रिज के रास्ते पाटलिपुत्र होयत दानापुर तक जायत। पूर्व-मध्य रेल के सीपीआरओ अरविंद कुमार रजक जी कहला कि सहरसा सँ इ ट्रेन राति के 11.35 बजे खुलत आर भोरे 5.40 बजे दानापुर पहुंचत। वापसी म' दानापुर सँ इ ट्रेन भोर 9.25 बजे खुलत आर साँझ म' 6.15 बजे सहरसा पहुँचत। एकर अलावा पूर्णिया कोर्ट सँ रांची के बीच चलाई बला कोसी एक्सप्रेस आर कटिहार-जयनगर के बीच चलाई बला जानकी एक्सप्रेस केर मार्ग विस्तार सेहो कायल जायत। अनुमान अछि इ दुनु ट्रेन वाया सहरसा चलाओल जायत। 22 जून दिन नई दिल्ली स्थित रेल भवन सँ रेलमंत्री सुरेश प्रभु सहरसा-दानापुर एक्सप्रेस के वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग के द्वारा हरी झंडी देखेता। सहरसा म' सेहो एहि लेल समारोह होयत, जाहि में मधेपुरा के सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव ट्रेन क' हरी झंडी देखेता।
सहरसा - दानापुर रात्रिकालिन ट्रेन 22 जून सँ चलत
जितमोहन झा (जितू)
0
Tags
सहरसा
जितमोहन झा (जितू)
हमर संक्षिप्त परिचय..
नाम: जितमोहन झा, घरक नाम "जितू"
जन्मतिथि ०२/०३/१९८५ भेल,
श्री बैद्यनाथ झा आ श्रीमति शांति देवी केँ सभ स छोट (द्वितीय) सुपूत्र।
स्व.रामेश्वर झा पितामह आ स्व.शोभाकांत झा मातृमह।
गाम-बनगाँव, सहरसा जिला। एखन मुम्बईमे एक लिमिटेड कंपनी में पद्स्थापित।रुचि : अध्ययन आ लेखन खास कs मैथिली ।
पसंद : हर मिथिलावासी के पसंद पान, माखन, और माछ हमरो पसंद अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।