माइर् पिटक डर सँ दरभंगा छोइर पटना पहुँचला डॉक्टर, कहला बिना सुरक्षाक नै करबाक अछि नौकरी

दरभंगा। 20 जून। बिहार म' डॉक्टर सभक संग माइर् पिट, लूटपाट आर रंगदारी मांगबाक घटना दिन प्रतिदिन बढ़ी रहल अछि। टटका मामला दरभंगा के हायाघाटक छी, जाहिठामक प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र म' कार्यत डॉ. कमलेश ठाकुर आर हुनक पत्नी केर संग माइर् पिटक घटना घटल। शनि दिन डॉ. कमलेश ठाकुर केर सरकारी आवास पर एक संग बहुत लोग डंडा, रॉड ल' डॉ. ठाकुर आर हुनक पत्नी अनुराधा ठाकुर संग गएर- गलौज आर माइर् पिट कएलन्हि।

एहि घटना सँ डरा क' डॉ. कमलेश ठाकुर पटना म' शरण लेना छैथ। माइर् पिटक मामला एक मरीजक मृत्यु सँ जुड़ल अछि। मुदा डॉक्टर कमलेश ठाकुर जीक कहब छैन्ह कि जाहि मरीजक मृत्यु पर इ घटना घटल हम ओहि मरीजक  इलाज नै केना छलो। बदमाश सभ द्वारा डॉक्टर आर हुनकर पत्नी क' जान सँ मारबाक धमकी देल गेल छैन्ह।

एहि मामला म' दुई गोटाक गिरफ्तारी भेल अछि मुदा असली दोषी एखनो फरार छैथ। पूरा प्रकरण पर आईएमए  सख्त रुख अपनाबैत आय सोम दिन एक बैसार बजेना अछि जाहि म' आगू केर रणनीति तय कायल जायत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ