आय भारत सहित दुनियाँ भरक 140 सँ बेसी देश म' मनाओल जे रहल अछि विश्व योग दिवस

दिल्ली। 21 जून। आय सगर विश्व म' द्वितीय अंतरराष्ट्रीय योग दिवस मनाओल जे रहल अछि। योग दिवस केर एहि अवसर पर देश केर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो योग केलाह। अपने के बता दी जे मोदी जी चंडीगढ़ म' 30 हजार सँ बेसी लोगक संग योग केलाह। एहि दैरान नरेंद्र मोदी जी बजलाह आबै बला साल सँ योगक क्षेत्र म' काज करनिहार सभ के सम्मानित कायल जायत।

एहि के संग इयो बता दी कि मोदी जी राष्ट्रीय आर अंतरराष्ट्रीय स्तर पर दुई गोट अवॉर्ड केर सेहो घोसना केलाह। मोदी जी एहि दैरान बजलाह जे योग खाली क्रिया नै छी, अपितु इ शरीर क' स्वस्थ्य रखबाक  विधि‍ छी। अपने के बता दी कि योग दिवस पर कार्यक्रम केर आयोजन चंडीगढ़ के कैपिटल कॉम्प्लेक्स म' कायल गेल छल।


आय द्वितीय अंतरराष्ट्रीय योग दिवस के सुअवसर पर योगगुरु बाबा रामदेव सेहो फरीदाबाद म' योग शिविर केर आयोजन केलाह। बाबा रामदेव केर योग शिविर म' 1 लाख सँ बेसी लोग एक संग योग केलाह। एकर अलावा एहिठाम एक संग 408 व्यक्ति द्वारा शीर्षासन करी वर्ल्ड रेकॉर्ड सेहो बनायल गेल अछि। एहि मौका पर राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी सेहो राष्ट्रपति भवन म' योग कार्यक्रम म' योग केलाह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ