नव गीत




प्रीतक रीत
बिसरल छी

हारि केखनो नै मानब
नोर केखनो नै गानब
हँसी मुदा बिला रहल
जीतक रीत
बिसरल छी

ठोरपर नोर एलै
दुआरिपर भोर एलै
मुदा साँझक बाट जोहैत
मीतक प्रीत
बिसरल छी

पाबनि सभटा बीतल अछि
समय आगिसँ भीजल अछि
जरैत जीव कहि रहल मुदा
गीतक रीत
बिसरल छी

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने