हमर प्रेम- कृष्णमोहन झा

हमर ठोरक पपड़ी पर जे एकटा मर्म सुखा रहल अछि
हमर जिह्वा पर जे धूरा उड़ि रहल अछि
हमर सोनितक धार सँ जे धधरा उठि रहल अछि
हमर देहक शंख सँ जे समुद्रक आवाज आबि रहल अछि
हमर आत्माक अंतरिक्ष मे जे चिड़ै-चुनमुनी कलरव क’ रहल अछि
हमर स्मृतिक गाछ पर जे झिमिर-झिमिर बरखा भ’ रहल अछि
तकरा सभक चोट आ खोंच केँ
टीस आ मोंच केँ
रूप आ रंग केँ
स्वर आ गंध केँ
कोना पानक एकटा बीड़ा बनाक’
हम अहाँक आगू राखि दी आ कही-
लिअ’ ग्रहण करू
ई थिक अहाँक प्रति हमर प्रेम…

जखन कि हमरा बूझलए
जे हमर प्रेम
गुड़ियाम मे बान्हल एक टा पियासल बरद अछि
जे खाली बाल्टी केँ देखि-देखिक’ भरि राति हुकरैत अछि

हमर प्रेम अछि
छिट्टा सँ झाँपल एक टा छागर
जे बन्द दुनिया सँ बहरयबाक बेर-बेर चेष्टा करैत अछि

हमर प्रेम धूरा-गर्दा मे जनमल एक टा टुग्गर चिलका अछि
जे दीने-देखार हेरा गेल अछि
बीच बाजार मे

तखन अहीं कहू
कोना हम अपन आत्माक फोका केँ
एक टा मृदुल भंगिमाक संग अहाँक सम्मुख तस्तरी मे राखि दी
आ कही-
लिअ’ ग्रहण करू…

हमर प्रेम जँ किछु अछि तँ एक टा फूजल केबाड़
हमर प्रेम जँ किछु अछि तँ एक टा कातर पुकार
कि आउ
अइ दुनियाक सभ सँ कोमल आ सभ सँ धरगर चीज बनिक’
आबि जाउ

अहाँक स्वागत मे
हमरा ठोर सँ ल’क’ अहाँक ओसार धरि जे ओछाओल अछि
ओ कोनो कालीन नहि
अहाँक तरबा लेल व्यग्र
खून सँ छलछ्ल करैत हमर ह्रदय अछि

आ हमर हड्डीक प्राचीन अंधकार मे
ओसक एक टा बुन्न सन कोमल
अनेक युग सँ अहाँक बाट ताकि रहल अछि हमर प्राण…

हमर प्राण अछि अहाँक आघात लेल आतुर
अहाँक आघात एहि जीवनक एक मात्र त्राण

24 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. तखन अहीं कहू
    कोना हम अपन आत्माक फोका केँ
    एक टा मृदुल भंगिमाक संग अहाँक सम्मुख तस्तरी मे राखि दी
    आ कही-
    लिअ’ ग्रहण करू

    bad sundar

    जवाब देंहटाएं
  2. आ हमर हड्डीक प्राचीन अंधकार मे
    ओसक एक टा बुन्न सन कोमल
    अनेक युग सँ अहाँक बाट ताकि रहल अछि हमर प्राण…

    हमर प्राण अछि अहाँक आघात लेल आतुर
    अहाँक आघात एहि जीवनक एक मात्र त्राण

    ahank agila padyak pratiksha me

    जवाब देंहटाएं
  3. हमर ठोरक पपड़ी पर जे एकटा मर्म सुखा रहल अछि
    हमर जिह्वा पर जे धूरा उड़ि रहल अछि
    हमर सोनितक धार सँ जे धधरा उठि रहल अछि
    हमर देहक शंख सँ जे समुद्रक आवाज आबि रहल अछि
    हमर आत्माक अंतरिक्ष मे जे चिड़ै-चुनमुनी कलरव क’ रहल अछि
    हमर स्मृतिक गाछ पर जे झिमिर-झिमिर बरखा भ’ रहल अछि
    तकरा सभक चोट आ खोंच केँ
    टीस आ मोंच केँ
    रूप आ रंग केँ
    स्वर आ गंध केँ
    कोना पानक एकटा बीड़ा बनाक’
    हम अहाँक आगू राखि दी आ कही-

    bhavpravn kavita

    जवाब देंहटाएं
  4. poora kavita eke sans me padha gel,

    kavitak pathak kiye kam hoyat je ehen rachna bhetat, takhan

    जवाब देंहटाएं
  5. आत्मीय ओ ममत्वपूर्ण टिप्पणी लेल बहुत-बहुत आभार!हमरा त लगैत रहय जे कविता प्रायः केओ नै
    पढैत अछि।
    हमर आर कविता केँ सार्थक क'र'लेल कृपया हमर ब्लॉग-देसिल बयना- पर आउ। पता अछि-http://paraati.blogspot.com

    जवाब देंहटाएं
  6. krishnamohan Jhajee bahut-bahut dhanyabad, ber-ber padhlahu muda tripti nahi bhel pher se padhwak mon karait achhi. Asa karait chhi je ahina apan kavita se pathak ke khush karait rahab, dhanyabad.

    जवाब देंहटाएं
  7. कविता बड्ड नीक लागल , हमहूँ बेर-बेर पढ़ि रहल छी।

    जवाब देंहटाएं
  8. हमर ठोरक पपड़ी पर जे एकटा मर्म सुखा रहल अछि
    हमर जिह्वा पर जे धूरा उड़ि रहल अछि
    हमर सोनितक धार सँ जे धधरा उठि रहल अछि
    हमर देहक शंख सँ जे समुद्रक आवाज आबि रहल अछि
    हमर आत्माक अंतरिक्ष मे जे चिड़ै-चुनमुनी कलरव क’ रहल अछि
    bahut- bahut dhanywad
    jha ji
    Aasha achhi ahina likhal karab ,

    जवाब देंहटाएं
  9. अहांक आगमनसं ई ब्लॊग सुन्दर भए गेल।

    जवाब देंहटाएं
  10. hamar monak gap ahank kalam se niklal dekhi mon tript bhel

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

और नया पुराने