माय (कविता) -मनीष झा "बौआभाई"

माय (कविता)

मनीष झा "बौआभाई"

एक-एक क्षण जे बेटा के खातिर
कर जोड़ि विनती करैइयै माय
बिनु अन्न-जल ग्रहण केने बेटा लै
जितियाक व्रत राखैइयै माय
आ एहि तरहें माय हेबाक
कर्त्तव्य पूरा करैइयै माय


जिन्दगीक रौदा में तपि क'
बेटा के छाहड़ि दैइयै माय
बरखा-बिहाड़ि सन विषम समय में
आँचर स' झाँपि राखैइयै माय
आ एहि तरहें माय हेबाक
कर्त्तव्य पूरा करैइयै माय


घर में छोट-छिन बात पर में
बाप स' लड़ि लैइयै माय
बाप स' लड़ि बेटा के पक्ष में
फैसला करैइयै माय
आ एहि तरहें माय हेबाक
कर्त्तव्य पूरा करैइयै माय


बेटा नै जा धरि घर आबय
बाट टुकटुक ताकैइयै माय
ओठंगि के चौकठि लागि बैसल
राति भरि जागैइयै माय
आ एहि तरहें माय हेबाक
कर्त्तव्य पूरा करैइयै माय


वयस कियैक नै हुऐ पचासक
तहियो बौआ कहैइयै माय
अहू वयस में नज़रि ने लागय
तैं अपने स' निहुछैइयै माय
आ एहि तरहें माय हेबाक
कर्त्तव्य पूरा करैइयै माय


होय जानकी वा अम्बे के प्रतिमा
सभ रूप में झलकैइयै माय
तीर्थ-बर्थ सब मन के भ्रम छी
घर में जे' कुहरैइयै माय
कर्त्तव्य हमरो ई कहैइयै
घर में नै कलपय ई माय
आ एहि तरहें जन्म देल त'
माय के पद पाबय ई माय

9 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. बेटा नै जा धरि घर आबय
    बाट टुकटुक ताकैइयै माय
    ओठंगि के चौकठि लागि बैसल
    राति भरि जागैइयै माय
    आ एहि तरहें माय हेबाक
    कर्त्तव्य पूरा करैइयै माय

    bah

    जवाब देंहटाएं
  2. एक-एक क्षण जे बेटा के खातिर
    कर जोड़ि विनती करैइयै माय
    बिनु अन्न-जल ग्रहण केने बेटा लै
    जितियाक व्रत राखैइयै माय
    आ एहि तरहें माय हेबाक
    कर्त्तव्य पूरा करैइयै माय


    जिन्दगीक रौदा में तपि क'
    बेटा के छाहड़ि दैइयै माय
    बरखा-बिहाड़ि सन विषम समय में
    आँचर स' झाँपि राखैइयै माय
    आ एहि तरहें माय हेबाक
    कर्त्तव्य पूरा करैइयै माय


    घर में छोट-छिन बात पर में
    बाप स' लड़ि लैइयै माय
    बाप स' लड़ि बेटा के पक्ष में
    फैसला करैइयै माय
    आ एहि तरहें माय हेबाक
    कर्त्तव्य पूरा करैइयै माय


    बेटा नै जा धरि घर आबय
    बाट टुकटुक ताकैइयै माय
    ओठंगि के चौकठि लागि बैसल
    राति भरि जागैइयै माय
    आ एहि तरहें माय हेबाक
    कर्त्तव्य पूरा करैइयै माय


    वयस कियैक नै हुऐ पचासक
    तहियो बौआ कहैइयै माय
    अहू वयस में नज़रि ने लागय
    तैं अपने स' निहुछैइयै माय
    आ एहि तरहें माय हेबाक
    कर्त्तव्य पूरा करैइयै माय


    होय जानकी वा अम्बे के प्रतिमा
    सभ रूप में झलकैइयै माय
    तीर्थ-बर्थ सब मन के भ्रम छी
    घर में जे' कुहरैइयै माय
    कर्त्तव्य हमरो ई कहैइयै
    घर में नै कलपय ई माय
    आ एहि तरहें जन्म देल त'
    माय के पद पाबय ई माय

    bah

    जवाब देंहटाएं
  3. bah bhai, ahank saph charitrak parichayak achhi mayak prati ahank ee sneh

    जवाब देंहटाएं
  4. जिन्दगीक रौदा में तपि क'
    बेटा के छाहड़ि दैइयै माय
    बरखा-बिहाड़ि सन विषम समय में
    आँचर स' झाँपि राखैइयै माय
    आ एहि तरहें माय हेबाक
    कर्त्तव्य पूरा करैइयै माय

    ई वास्तविकता जकरा बुझबा में आबि गेल ओएह असल मायक भक्त अछि I ई रचना के लेल बेर बेर हार्दिक धन्यवाद I

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने