आमंत्रण- श्री रवीन्द्रनाथ ठाकुर (१९३६- )

ककरो दैछ निमंत्रण खाट
सब दिन सुतले रहबाले
हमरो दैछ निमंत्रण बाट
हरदम चलिते रहबाले।
ककरो पवन झुलाबय झुलना
सपना देखिते रहबाले।
हमरा पवन छुबैये देह
सिहरल सिहरल उठबाले।
हमरा खातिर पवन कमाल
हमरा खातिर पवन रुमाल
हमरा किरण कहैए झात
सबटा दुख हरि लेबाले
हमरा सोर करैय बाध
बाधक पारक नील आकाश
हमरा पंछीसँ अधिक प्रेम
गगनक आँचर सुँघबाले।
मानल थीक प्रलय केर राति
मन घबड़ाथि कथीले
हम तऽ हर-सिङ्गारक फूल
हरदम झरिते रहबाले।
सोना बनबा केर इच्छुक तऽ
आगिक डऽर कतेक दिन
हम तऽ धधरा लेल पजारि
अनुखन जरिते रहबाले॥

5 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

एक टिप्पणी भेजें

और नया पुराने