जनकपुर । मिथिलाक 15 दिना मध्यमा परिक्रमा बुधदिन सम्पन्न भेल अछि । जनकपुरमे रामजानकी र मिथिला विहारीक डोला अन्तरगृह परिक्रमा कएलाक बाद मध्यमा परिक्रमा सम्पन्न भेल अछि । नेपाल आ भारतक 1 सय 33 किलोमिटर दुरीमे रहल विभिन्न धार्मिक स्थलके भ्रमणक' परिक्रमा डोला मंगलदिन जनकपुरमे आबिक' विश्राम कएने छल ।
धनुषा जिलाक ठेराकचुरी मठसं फ़ागुन 13 गते परिक्रमा शुरु भेल छल । परिक्रमामे जनकपुरक हनुमाननगर होइत भारतको करुणा, विशौल, महोत्तरी जिलाक मटिहानी,जले·ार, मडइ, ध्रुव कुण्ड, कंचन वन, क्षिरे·ार, सतोषर, पर्वत्ता, औरही आ फ़ेरो पुन भारतक करुणा विशौल होइत वृहत्तर जनकपुर क्षेत्र पडैत अछि । परिक्रमामे सहभागी साधुसन्त, महन्थ आ श्रद्धालु भक्तजन पएरे चलिक' इ परिक्रमा पुरा करैत अछि । मंगलक राति सम्मत जराओल गेल । जनकपुर नगरको अन्तगृह परिक्रमामे नेपाल आ भारतक श्रद्धालुक अपार भीड रहैत अछि ।
nik prastuti
जवाब देंहटाएंbah, mithilak ektak ee parikrama jivit achhi saih ehi gapa ke sidh karaiye je mithilak astitva bachal chhaik aa ekra bahari tatva nahi varan mairthil bachene chhathi
जवाब देंहटाएंnik samachar
जवाब देंहटाएंबहुत नीक प्रस्तुति।
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।