जनकपुर । प्राचीन मिथिलाको राजधानी जनकपुरमे होरी मनएबाक क्रममे महामुर्ख सम्मेलन आयोजन कएल गेल अछि । स्थानीय जानकी मन्दिरमे मंगलदिन रंग अबिर खेलैत महामूर्ख सम्मेलन सम्पन्न भेल । मिथिला नाट¬ कला परिषद होरीक अवसरमे हास्य कवि गोष्ठी आ महामुर्ख सम्मेलन करैत आएल अछि ।
महामूर्ख आ कवि गोष्ठी कार्यक्रममे स्थानीय राजनीतिकर्मी, बुद्विजिवी, व्यापारी, पत्रकार सहितके सहभागिता छल । सम्मेलनमे वरिष्ठ साहित्यकार राजेन्द्र विमल, कलाकार सुनिल मल्लिक सहित तीन दर्जनसं बेशी गोटेके महामुर्ख, पटमुर्ख, गदहा मुर्खक उपाधि देल गेल । कवि गोष्ठीमे प्रधानमन्त्री प्रचण्ड, काँग्रेसक सभापति गिरिजाप्रसाद कोइराला, एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल, फ़ोरम अध्यक्ष उपेन्द्र यादव सहितक नेताके व्यंग्य करैत कविता वाचन कएने रहैथ ।
abhootpoorvqa
जवाब देंहटाएंsamayik samacharak lel ahan prashansak patra chhi
जवाब देंहटाएंnik prastuti janakpurak saMACHAR DEKHI MON PRASANN BHAY JAIT ACHHI
जवाब देंहटाएंबहुत नीक प्रस्तुति।
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।