मैना पंचमी केँ संग मिथिलाक सांस्कृतिक पाबैन मधुश्रावणी काइल स हैत शूरू। - मिथिला दैनिक

Breaking

बुधवार, 1 अगस्त 2018

मैना पंचमी केँ संग मिथिलाक सांस्कृतिक पाबैन मधुश्रावणी काइल स हैत शूरू।



मिथिला - संस्कृतिक महान पाबनि थिक -मधुश्रावणी, जे साओन मासक कृष्ण - पक्षक पंचमीसँ प्रारम्भ आ शुक्लपक्षक तृतीया तिथिकेँ सम्पन्न होमऽबला मिथिला - संस्कृति व भक्तिक पाबनि मधुश्रावणी एहिबेर आए 2 अगस्त  (बृहस्पतिदिन) मैना पंचमीक संग शुरू हैत। नवविवाहिता स्त्रीगणकलेल एहि पूजाक विशेष महत्व छनि। नवविवाहिता एकदिन पहिनहि  (चौठ तिथिकेँ) अर्थात 'नहाय-खायदिन' भोरे ब्रह्म मुहूर्तमे पवित्र गंगाजलसँ नहा सूर्यास्तसँ पहिनहि अरबा भोजन कऽ पूजन श्री गणेश करैत छथि।

   
पूजाक महत्व : _मधुश्रावणी पूजन अहिबाती स्त्रीगणकलेल बड़ महत्वपूर्ण होइछ। ई विशिष्ट पाबनि पतिक दीर्घायु आ सुख - समृद्धिलेल होइत अछि। पूजन क्रममे मैना - पंचमी, मंगला - गौरी, पृथ्वी - जन्म, पतिव्रता - कथा, महादेवक कथा, गौरी - तपस्या, शिवबिबाह, गंगा - कथा, सती बिहुला -कथा, शीत - बसन्तक कथादि सहित 14 खंडमे 'कथा - श्रवण' होइत अछि। गाम - समाजक वृद्धा वा जानऽबाली महिला कथा - वाचिका केर द्वारा नवविवाहिता केँ कथा सुनबैत छथिन। पूजनक सातम्, आठम् आ नवम् दिन घोरजर, खीर, गुलगुलाक भोग लगैत अछि। सबदिन  साँझमे स्त्रीगण सोहागक गीत, कोबर गीत, आरती सभ गाइबि महादेवकेँ मनयबाक, प्रसन्न करबाक प्रयत्न करैत रहैत छथि। 


एहि पाबनिमे नइहर आ सासुर दूनूक सहयोग अपेक्षिते टा नहि अनिवार्य होइत अछि। नवविवाहिता सासुर सँ आयल नव वस्त्रा धारण करैत छथि। पूजाक समापन पर यत्र - तत्र भायक द्वारा हाथ पकड़ि पूजनहारिकेँ उठयबाक प्रथा सेहो अछि; मुदा सभठाम नहि।       


टेमी दागबाक परम्परा : पूजाक अन्तिम दिन पूजनहारिकेँ कठिन' अग्निपरीक्षा' देमऽ पड़ैत छनि जे आन संस्कृतिमे दुर्लभ अछि। टेमी दागऽ केर परम्परामे नवविवाहिताकेँ हाथ - पयर आ ठेहुनपर आरतक पात आ  पान राखि जरैत टेमी (बाती) सँ दागल जाइत छनि आ 'इस्स ......' नहि बजबाक छनि, एहिसँ हुनक सहनशक्ति आ सतीत्वक परीक्षण होइत अछि।


पूजा केर अन्तिम दिन (टेमीदिन) 14 टा पनपथिया आ एकटा बासक डालामे अंकुरी, फल-मधुर, दही आदि सँ सजा  14 टा अहिबाती स्त्रीगण केँ बाँटल जाइत छनि ।
#संपादकीय