शादीशुदा बालिग़ जोड़ा अप्पन सुरक्षाक लेल एएसपी स लगेलैथ गुहार - मिथिला दैनिक

Breaking

रविवार, 18 फ़रवरी 2018

शादीशुदा बालिग़ जोड़ा अप्पन सुरक्षाक लेल एएसपी स लगेलैथ गुहार



दरभंगा :[प्रणव कुमार चौधरी] लहेरिसराय थाना में बालिग नव दंपति अपन सुरक्षा के गुहार अपर पुलिस अधीक्षक कार्यालय में पहुंच क केएलैथ, दंपति कहलैथ कि हमरा जानक खतरा अछि। लहेरियासराय थाना के गिदरगंजक निवासी कीर्ति कुमारी और कुशेश्वरस्थान निवासी सौरव कुमार अग्रवाल 13 फरवरी क' श्यामा माई मंदिर में विवाह क लेने छेलैथ। अपर पुलिस अधीक्षक दुनू के सुरक्षाक पूर्ण आश्वासन देलैथ। जेहिके बाद लड़का पक्षक लोग कार्यालय परिसर में नव दंपति के दुल्हा-दुल्हनक तरह सजाक ओही जगह मौजूद लोग स आशीर्वाद लेलैथ।

अपर पुलिस अधीक्षक दिलनवाज अहमद कहलैथ कि ऐही तरहक विवाह में बालिग जोड़ाक पूर्ण सुरक्षा मुहैया कराओल जैत।