देशक रक्षा मे मिथिलाक एक आओर लाल 'किशोर कुमार मुन्ना' देलक अप्पन कुर्बानी - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 12 फ़रवरी 2018

देशक रक्षा मे मिथिलाक एक आओर लाल 'किशोर कुमार मुन्ना' देलक अप्पन कुर्बानी

खगड़िया। 12 फरवरी। खगड़िया केँ चौथम प्रखंडक ब्रह्मा गाम निवासी जवान किशोर कुमार मुन्ना शहीद भ' गेला। किशोर कश्मीर केँ पूंछ मे पछिला 4 फरवरी केँ पाकिस्तानी सेना केँ गोलीबारी मे घायल भ' गेल छला। कश्मीर केँ पुंछ स्थित आर्मी अस्पताल मे भर्ती मुन्ना कैल्हि रवि दिन अंतिम सांस लेलनि।

हुनकर शहादत केँ खबैर भेटते वीर शहीद किशोर कुमार मुन्ना केँ गाम मे मातम पसैर गेल अछि। बेटाक शहादत केँ खबैर भेटते शहीदक माँ अप्पन  सुध-बुध हरा देना छथि। माँ केँ आँखिक नोर रुकबाक नाम नहि ल' रहल अछि। ओ जाहि बेटाक बिआह केँ सपना देखैत छली, आब हुनकर शव आएब रहल अछि। मुन्ना केँ घर मे मातमी सन्नाटा पसैर गेल अछि। पूरा गाम मे जे कियो ई खबैर सुनलथि सभक आँखि नम भ' गेल। शहीद मुन्ना दू भाई आओर एक बहिन मे सभसँ छोट छला। शहीद किशोर केँ शव आय हुनका गाम पहुंचत। जता सम्मानक संग अंतिम संस्कार कायल जायत।