रोहतास : सेना भर्तीक दौरान भगदड़, 1 केर मौत, 5 घायल

रोहतास। 10 जनवरी। रोहतास जिलाक डेहरी इलाका स्थित बीएमपी परिसर मे सेना भर्तीक दौरान लागल लाइन मे आय बुध दिनक भोर भगदड़ मैच गेल। एहि भगदड़ मे एक केर मौत आओर पांच लोगक घायल होयबाक खबैर अछि। 

एहि ठाम पछिला पांच दिन सँ सेना भर्ती चैल रहल अछि। ऐहिक लेल अभ्यर्थी सभ मंगलक राति सँ एहिठाम आबिकें रुकल छल। राति करीब दू बजे सीटी बाजला पर भारी कोहरा आओर ठंड मे सेहो सभ युवक लाइन मे लगबाक लेल प्रयास करे लागल। 

ओहि दरमियान अभ्यर्थि सभक बीच कुनु बात पर हंगामा भेलाक बाद पुलिस कथित तौर पर लाठीचार्ज क' देलक।  एहि कारण ओहिठाम भगदड़ मैच गेल। एहि भगदड़ मे एक केर मौत आओर पांच लोगक घायल होयबाक खबैर अछि।

और नया पुराने