मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ दोसर चरण केँ विकास समीक्षा यात्रा स्थगित - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 15 दिसंबर 2017

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ दोसर चरण केँ विकास समीक्षा यात्रा स्थगित

पटना। 15 दिसम्बर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ दोसर चरण केँ विकास समीक्षा यात्रा केर तिथि मे बदलाव कायल गेल अछि। मुख्यमंत्री सचिवालय सँ भेटल जानकारी केर मुताबिक श्री गुरु गोविंद सिंह महाराज केँ 350सम प्रकाश पर्व केर शुकराना समारोह केँ तैयारी क' देखैत दोसर चरण केँ यात्रा फिलहाल स्थगित कायल गेल अछि। 

समीक्षा यात्रा के बांकी चरण केर तिथि यथावत रहत। दोसर चरण केँ समीक्षा यात्रा केर तिथि शुकराना समारोह समाप्त भेलाक बाद तय होयत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दोसर चरण केँ यात्रा केर तहत 20 सँ 22 दिसंबर धरी बांका, भागलपुर, पूर्णिया, अररिया, किशनगंज आओर कटिहार जिलाक दौरा कराई बला छला।