मधुबनी : गाड़ी साइड लेबाक विवाद मे चलल गोली, एक केर मौत - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 30 नवंबर 2017

मधुबनी : गाड़ी साइड लेबाक विवाद मे चलल गोली, एक केर मौत

मधुबनी। 30 नवम्बर। मधुबनी जिलाक लौकही थाना केँ नरहिया चतरापट्टी लग कैल्ही गुरु दिन एक रोडरेजक मामला सामना आयल। जता कार सवार बदमाश सभ साइड लेबाक विवाद मे गोली गोली चला देलनि। जिसमे मौके पर मौजूद एक ग्रामीणक गोली लागला सँ मौत भ' गेलनि।

बताओल जे रहल अछि कि चतरापट्टी चौक लग बारात गाड़ी के साइड लेबाक विवाद भ' रहल छल। जाता गामक महादेव साह नामक व्यक्ति ठाढ़ भ' विवाद देखैत छला। एहि दौरान विवाद बढ़ल आर कार मे बैसल अपराधी सभ गोली चला देलनि, जे महादेव क' लागल आओर मौके पर हुनकर मौत भ' गेलनि। 

घटना के बाद कार सवार बदमाश फरार बताओल जे रहल अछि। फिलहाल, लौकही थाना केर पुलिस अज्ञात बदमाश सभक खिलाफ मामला दर्ज करी लाश क' पोस्टमार्टम लेल भेज देलनि। जखनकि घटना सँ तमसायल स्थानीय लोग सभ एनएच 104 क' जाम क' देलनि आओर हत्यारा केर गिरफ्तारीक लेल खूब प्रदर्शन केलनि।