मिथला स्टुडेंट युनियन (MSU) के कार्यकर्ता पर भाजपा नेत्री 'मीना झा' के घर पर हमला करबाक आरोप - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 16 नवंबर 2017

मिथला स्टुडेंट युनियन (MSU) के कार्यकर्ता पर भाजपा नेत्री 'मीना झा' के घर पर हमला करबाक आरोप

दरभंगा। 16 नवम्बर। [प्रणव कुमार चौधरी] भाजपा महिला मोर्चा के प्रदेश मंत्री मीना झा के घर पर मंगल दिन देर रातिक 1:30 के आसपास  मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) सेनानी द्वारा हमला करबाक खबैर प्रकाश मे आयल अछि। नेत्री मीना झा मिथिला स्टूडेंट यूनियन के सेनानी पर घर म' घुइसकेँ लूटपाट आओर हुनका संग अभद्र व्यवहार करबाक आरोप लगेना छथि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक एमएसयू के विवि परिसर मे लागल बैनर कियो फाइड़ देलनि एहि ल'के देर राति एमएसयू कार्यकर्ता भाजपा महिला मोर्चा के प्रदेश मंत्री मीना झा केर आवास स्थान पर पूछताछ करबाक लेल पहुंचल छाला। 

प्राप्त खबैर केर मुताविक एहि ल'के भाजपा नेत्री केँ भाई आओर एमएसयू कार्यकर्ता के बीच माएरपीट भेल। कैल्हि भाजपा नेत्री के घर पर भेल घटना ल'के भाजपा कार्यकर्ता सभक बैसार जिलाध्यक्ष हरि सहनी केर अध्यक्षता मे संपन्न भेल। कैल्हि के बैसार मे भाजपा नेता व कार्यकर्ता सभ एहि घटना केँ बहुत निंदा केलनि। भाजपा नेता सभ पुलिस प्रशासन सँ नामजद अभियुक्त सभके गिरफ्तारी करबाक मांग केलनि।


भाजपा केँ एक कार्यकर्ता कहलनि कि जिला मे एमएसयू कार्यकर्ता सभक द्वारा लगातार निंदनीय घटना क' अंजाम देल जे रहल अछि। जाहि ल'के लोग सभमे आक्रोश पनैप रहल अछि, मुदा पुलिस प्रशासन मौन व्रत लेना अछि। जाहि कारण सँ एमएसयू सेनानी सभक मनोबल दिनों दिन बढ़ल जे रहल अछि। कैल्हिक भाजपा कार्यकर्ता सभक बैसार मे डॉ रंगनाथ ठाकुर, संजीव साह, अशोक नायक, आदित्य नारायण चौधरी मन्ना, प्रमोद शरण साहु, अमित झा, राजेश रंजन, संतोष पासवान, अमलेश झा, विकास चौधरी, रिंकू राम, संजीव गुप्ता, सुजीत मल्लिक, अभय झा, धर्मशीला गुप्ता, रेखा झा, अंजनी निषाद, संगीता साह, मुन्नी खातुन, रौशन कुमार, राजा चौधरी, आशुतोष झा, दिलीप पासवान, गुड्डु कुमार, सचिन जैन, रमाशंकर ठाकुर, ज्वाला चंद्र चौधरी, मुकुंद चौधरी, रंजीत झा आदि लोकनि उपस्थित छल। 

बैसार मे उपस्थित समस्त गणमान्य लोकनि एक स्वर मे कहलनि कि यदि प्रशासन दोषी पर कार्रवाई कहि करत तेँ भाजपा ऐहिक विरोध मे उग्र आंदोलन करत। एम्हर एमएसयू कार्यकर्ता सभक कहब अछि कि ओ सभ हुनका सभसँ पुछबाक लेल गेल छला कि एमएसयू के बैनर के फाड़लथि। पूछताछ करबाक दौरान हमरा सभ पर हमला कायल गेल। हुनके सभक दिस सँ हमलो भेल आ उल्टा माएरपीट आओर लूटपाट के फुइस - फटक आरोप हमरा सब पर लगाओल जे रहल अछि। 


ओतैय मिथला स्टुडेंट युनियन के कहब अछि कि एमएसयू के 6 सेनानी मोटरसाईकिल से मंगल दिन रातिक 1:30 बजे बैनर सभ देखबाक लेल निकलल छल। किएक जे कैको जगह सँ बैनर खोइल लेल गेल छल आओर एक दू जगहक बैनर फाइर देल गेल छल। मीना झा के घर लग सेहो बैनर लगाओल गेल छल। एमएसयू सेनानी जखन ओहि एरिया मे पहुँचल तेँ रोड कात म' 4 लड़का दारू पिबैत देखार देलक। रातिक अन्हार मे सेनानी सभ मोबाइल के फ्लैस जरेला। जाहि पर ओ सभ गाएर - गरौज करे लागला की हमरा सभक फोटो किएक खिचलो। बस एहि बात पर दुनू पक्षक बीच हाथापाई भेल जाहिमे एमएसयू सेनानी सागर भाई गंभीर रूपे घायल भ' गेला। ऐहिक संगे एक सेनानी के ओ सभ बंधक बना 1 घंटा धरी बैसेना छल, बाद मे थाना पहुँच हुनका छोड़लनि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक दारू पीनहार सभ मीना झा केर रिश्तेदार बताओल जे रहल अछि।