दहेज मुक्त भारत संगठन द्वारा "दहेज मुक्त बिआह" केर आयोजन लेल बैसार भेल - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 27 नवंबर 2017

दहेज मुक्त भारत संगठन द्वारा "दहेज मुक्त बिआह" केर आयोजन लेल बैसार भेल

दिल्ली। 27 नवम्बर। [मिहिर कुमार झा "बेला"] कैल्हि रवि दिन दहेज मुक्त भारत संगठन के दिल्ली एनसीआर टीमक बैसार भेल। कैल्हि केर बैसार मे दहेज मुक्त बिआह ल'के चर्चा भेल जे समाज क' दहेज मुक्त कोना कराओल जाय आओर दहेज मुक्त बिआह केर आयोजन सेहो कोना कायल जाय। बैसार मे उपस्थित सदस्य सभ एहि विषय पर गम्भीरता सँ विचार विमर्श केलनि।  

संगठन द्वारा हर एक डेग उठाओल जाय जाहिसँ समाजक कल्याण होय एहि ल'के दहेज़ मुक्त भारत समिति केर केंद्रीय सचिवालय मेट्रो स्थित मुख्यालय गेट न.3 पर कैल्हि भेल बैसार मे दहेज मुक्त बिआह ल'के दिल्ली मे सेहो एक टीम बनाओल गेल आओर ओहि पर विचार-विमर्श कायल गेल। 


संगठन के राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री आनद झा संपर्क सूत्र केर माध्यम सँ लाइव भ' बैसार मे कहलनि कि आजुक समय मे समाजक तनावपूर्ण वातावरण मे दहेज मुक्त बिआह केर आयोजन बहुत जरुरी अछि। देशक सभ राज्य आओर जिलाक सामाजिक द्वारा कायल जे रहल सामूहिक बिआह केर आयोजन प्रशंसनीय अछि। 

कैल्हि के बैसार म' उपस्थित बिनय झा, विनय चौधरी, हेम चन्द्र झा उपस्थित गणमान्य लोकनि सँ आह्वान केलनि कि आगामी 24 दिसंबर क' होमै बला बैसार म' सभकियो उपस्थित रही। दहेज मुक्त भारत संगठन केर सदस्य मिहिर झा कहलनि कि सामूहिक दहेज मुक्त बिआह एक एहेन आयोजन अछि जाहिसँ समाजक बीच नीक सनेस जायत अछि।

कैल्हि के बैसार मे आशीष कुमार झा, सुरजीत झा, अशोक झा, राज  नारायण झा, सुमन कुमार झा, अमर कांत झा, बिनोद राय, श्रवण कुमार, रामानन्द भारती, कुमार बिघ्नेस झा, आशुतोष झा, अनीस कुमार झा आदि अप्पन विचार व्यक्त केलनि।