विवादित प्रेम विवाह केर जांच करे पहुंचल एएसआई पर जानलेवा हमला - मिथिला दैनिक

Breaking

मंगलवार, 31 अक्तूबर 2017

विवादित प्रेम विवाह केर जांच करे पहुंचल एएसआई पर जानलेवा हमला

कटिहार। 31 अक्टूबर। सेमापुर ओपी थाना क्षेत्र के मिल टोला गाम म' पहुँचल पुलिस टीम पर स्थानीय लोग सभ जानलेवा हमला क' देलनि। एहि हमला म' एएसआई गंभीर रूप सँ घायल बताओल जे रहल अछि। घायल एएसआई केर इलाज कटिहार सदर अस्पताल म' भ' रहल अछि।  

प्राप्त खबैर केर मुताविक सेमापुर ओपी थाना क्षेत्रक मिल टोला गाम म' भेल हमला म' एएसआई रूप सँ घायल भ' गेलथि। बताओल जे रहल अछि कि एएसआई विपिन कुमार सिंह स्थानीय बरेटा पंचायत के मिल टोला गाम म' एक विवादित प्रेम विवाह केर जांच करे पहुँचल छला। 

अपने क' बता दी कि जांच केर दौरान एकाएक किछु असामाजिक तत्व द्वारा एएसआई पर हमला कायल गेल। बताओल जे रहल अच्छी कि एएसआई विपिन कुमार सिंह के गर्दैन आ देह पर धारदार हथियार सँ वार कायल गेल। आनन- फानन म' घायल एएसआई क' सदर अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल। ओतहि, पुलिस अधीक्षक सिद्दार्थ मोहन जैन कहलनि कि पुलिस द्वारा घटना केर खिलाफ प्राथमिकी दर्ज करि अनुसंधान शुरू कायल जे चुकल अछि। आरोपी सभक पहिचान कायल जे चुकल अछि, जिनका सभपर जल्दे कार्रवाई कायल जायत।