रोहतास : अवैध शराब पीला सँ 5 केर मौत,4 केर हालत गंभीर - मिथिला दैनिक

Breaking

शनिवार, 28 अक्तूबर 2017

रोहतास : अवैध शराब पीला सँ 5 केर मौत,4 केर हालत गंभीर

रोहतास। 28 अक्टूबर। रोहतास म' अवैध शराब पीला सँ 5 लोगक मौत भ' गेल अछि, जखनकि 4 गोटाक हालत गंभीर बताओल जे रहल अछि। ई घटना रोहतास जिलाक दनवर म' घटल अछि। गंभीर हालात म' लोग सभके अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल अछि। 

घटना के बाद एसपी द्वारा कार्रवाई करैत एसएचओ क' सस्पेंड कायल गेल अछि। जिलाक प्रशासनिक अधिकारी सेहो घटना स्थल पर पहुँच चुकल छथि। एहि घटना स' तमसायल ग्रामीण सभ सड़क जाम करैत ऐहिक लेल पुलिस क' जिम्मेवार ठहरौलनि। ग्रामीण सभक कहब अछि कि अवैध शराब के धंधा पुलिस केर संरक्षण म' भ' रहल अछि।

गौरतलब अछि कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सत्ता म' अएबाक बाद पूरा राज्य म' शराबबंदी कानून लागू केलनि, मुदा ऐहिक बावजूद ऐता चोरा - नुका के शराब बनाओल आओर बेचल जे रहल छल। अपने क' बता दी चोरा - नुका क' चैल रहल अवैध शराब के कारोबार सँ निपटबाक लेल राज्य सरकार, प्रशासन के संगे संग जागरुक लोग सभ सेहो सक्रिय भूमिका निभा रहल अछि।