0

नई दिल्ली। 10 अक्टूबर। आय स' 85 बरख पहिने एयर इंडिया केर  स्थापना करै बला टाटा ग्रुप क' कंपनी केर नियंत्रण छोड़ा पड़ल छल, मुदा  टाटा ग्रुप आब फेर सँ एयर इंडिया क' अप्पन हिस्सा बनबे चाहैत अछि। यदि टाटा ग्रुप एयर इंडिया केर अधिग्रहण क' लैत अछि त' ओ एयर इंडिया केर स्वामित्व राष्ट्रीयकरण होयबाक 64 बरख बाद प्राप्त करत। सरकार घाटा म' चैल रहल एयर इंडिया क' बेचबाक तैयारी म' अछि।

टाटा सन्स द्वारा टाटा एयरलाइंस केर स्थापना 1932 म' कायल गेल छल।  कराची स' बॉम्बे केर पहिलफ्लाइट खुद जेआरडी टाटा उड़ौना छलाह। आजादी स' पहिने 1946 म' टाटा एयरलाइंस सार्वजनिक कंपनी बैन गेल आओर ऐहिक नाम बदैल एयर इंडिया क' देल गेल छल। हवाई जहाज उड़ायब जेआरडी टाटा केर जुनून छलैन्ह। कंपनी केर वेबसाइट के मुताबिक, जहाज उड़ाबईक लेल क्वालिफाई करै बला ओ पहिल भारतीय छलाह। वेबसाइट म' बताओल गेल अछि कि हवाई जहाज उड़ेबाक लाइसेंस हुनका 1929 म' भेटल। भारत म' कमर्शल एविएशन आने बला ओ पहिल व्यक्ति छलाह। 1948 म' ओ एयर इंडिया इंटरनैशनल केर  स्थापना केलनि। 1978 धरी ओ एयर इंडिया केर जिम्मेदारी सम्हारलनि।

1953 म' जखन सरकार द्वारा एयर इंडिया केर राष्ट्रीयकरण कायल गेल तखन ओ दुनिया केर श्रेष्ठ एयरलाइंस छल। टाटा क' जखन पता चलल कि तत्कालीन प्रधानमंत्री जवाहर लाल नेहरू एयर इंडिया केर राष्ट्रीयकरण क' देलनि ओहो हुनका बिना बतेने त' हुनका बड़का झटका लागल। ओनाकि टाटा राष्ट्रीयकरण के बाद एयरलाइंस केर चेयरमैनक पद सम्हारलनि। हुनका नेतृत्व म' कंपनी 1977 तक नीका जोका संचालित होयत रहल।1977 म' प्रधानमंत्री मोरारजी देसाई टाटा क' पद सँ हटा देल गेल। 

आय एयर इंडिया खराब संचालन आओर नाकामयाब बिजनस करबाक जीबैत - जागैत सबूत बैन गेल अछि। कंपनी पर भारी कर्ज अछि आओर इए कारण अछि कि सरकार ऐहिक निजीकरण करि एहिसँ छुटकारा पाबे चाहैत अछि। नरेंद्र मोदी सरकार 2014 म' सत्ता सम्हारबाक बादे स' करीब 16 हजार करोड़ टाका एयर इंडिया म' लगा चुकल अछि। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035