जेडीयू केँ आरपीसी सिंह आओर संतोष कुशवाहा मोदी कैबिनेट म' भ' सकैत छथि शामिल - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 1 सितंबर 2017

जेडीयू केँ आरपीसी सिंह आओर संतोष कुशवाहा मोदी कैबिनेट म' भ' सकैत छथि शामिल

पटना। 01 सितम्बर। एक - दू दिन म' मोदी कैबिनेट म' फेरबदल होमै बला अछि। एहि म' उम्मीद काएल जे रहल अछि कि हालही म' बीजेपी केर दामन पकड़े बला जेडीयू केर किछु नेता सभके सेहो मंत्रिमंडल म' मौका भेट सकैत अछि। एनडीए म' शामिल होयबाक बाद जेडीयू कोटा सँ दू नेता क' मंत्रिमंडल म' शामिल काएल जाएत। 

कैबिनेट म' शामिल होयबाक रेस म' आरपीसी सिंह आओर संतोष कुशवाहा सभसँ आगू चैल रहल छथि। प्राप्त सूचनाक मुताबिक एक कैबिनेट म' मंत्री आओर एक राज्यमंत्री केर पद पर विराजमान भ' सकैत छथि। बिहारक राजनीति क' देखैत प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी ई तय करथिन  कि किनका मंत्री पदक कुर्सी देबाक अछि। आरसीपी सिंह नीतीश कुमार केँ खास बताओल जाएत छथि आओर कुर्मी नेता छथि। ऐना म' कयास लगाओल जे रहल अछि कि हिनका मंत्री पद पर बैसाओल जे सकैत अछि।  एहि दुनू केर अलावा वशिष्ठ नारायण सिंह, कहकशां परवीन आओर रामनाथ ठाकुर सेहो रेस म' शामिल छथि। 

अपने क' बता दी मोदी कैबिनेट म' फेरबदल केर संभावनाक बीच पांच मंत्री  इस्तीफा द' देना छथि। जाहिक कारण सँ पांच मंत्री पद खाली भ' चुकल अछि। ऐहिक संगे पहिनो सँ कैको पद खाली अछि। प्रधानमंत्री मोदी ओहि राज्य सभक नेता क' मंत्री बना सकैत छथि जता चुनाव होमै बला अछि। जेडीयू क' ई उपहार एनडीए म' शामिल होयबाक लेल भेटत।