मिथिलाक बेटी 'नेहा' मॉस्को म' लहरौली तिरंगा, बनली 'राइजनिंग स्टार'


मुंगेर। 18 सितम्बर। अप्पन समाज म' एखनहुँ बिआह के बाद बेटी सभके अगबे गृहणी बुझल जायत अछि। संस्कृति केर नाम पर बेटी क' पर्दा म' रहबाक लेल विवश कायल जायत अछि। मुदा एहि धारणा क' मुंगेर के डॉ. नेहा गुप्ता गलत साबित क' देलनि। नेहा रूस के मॉस्को शहर म' आयोजित अंतर्राष्ट्रीय सौंदर्य प्रतियोगिता म' दोसर स्थान प्राप्त करी मिथिलाक संगे संग देश क' सेहो गौरवान्वित केलनि। 

डॉ. नेहा केर सफलता सँ आय हर विवाहिता अप्पन समाजक लेल किछु करबाल लेल प्रेरित भ' रहल छथि। मिथिलाक बेटी एक बेर फेर सँ अंतर्राष्ट्रीय मंच पर भारत केर डंका बजबैत 14 सितम्बर के राति रूसक मास्को शहर म' आयोजित "मिस एंड मिसेज ग्लोबल इंटरनेशनल वर्ल्ड प्रतियोगिता" के ख़िताब अप्पन नाम केलनि। 


अपने क' बता दी कि उक्त प्रतियोगिता म' बहुत कठिन प्रतिस्पर्धा देखबाक लेल भेटल जता डॉ. नेहा गुप्ता 'विवाहिता वर्ग' म' भाग लाई वाली प्रतिभागी सभमे दोसर स्थान प्राप्त केलनि। नेहा दक्षिण अफ्रीका के एक उम्मीदवार सँ किछु अंक स' पाछू रही गेली आओर एशिया के विजेता व 'राइजनिंग स्टार' केर टाइटल अप्पन नाम केलनि।


अप्पन उपलब्धिक बारे म' नेहा कहलनि कि आजुक परिवेश म' बेटी बहुत आगू बढ़ी रहल छथि आओर आजुक समय म' बेटा - बेटी म' कोनो फर्क नहि रही गेल अछि। समाज क' समय केर संग बदलबाक चाही आओर एहि बदलाव क' सेहो बुझबाक चाही। 


डॉ. नेहा गुप्ता मुंगेर के संग्रामपुर बेलहर स्थित भिखारी गामक मूल निवासी छथि। पिता प्रदीप कुमार जमालपुर के स्लिवर ओक्स अल्बर्ट रोड म' परिवार के संग रहैत छथि आओर ओ इलाहबाद बैंक म' सहायक प्रबंधक केर पद पर कार्यरत छथि। बेटीक एहि उपलब्धि के बाद पिता प्रदीप कुमार आओर माँ ललिता देवी कहलनि कि हुनका अप्पन बेटी पर गर्व अछि, भगवान एहेन बेटी सभके दैथ। 


अपने क' बता दी डॉ. नेहा गुप्ता एहिसँ पहिनो कैको पुरस्कार जीत चुकल छथि। 11 फरवरी 2017 क' 40 प्रतिद्वंदी क' पछाड़ैत नेहा मिस एंड मिसेस इण्डिया इंटरनेशल केर विजेता सेहो बैन चुकल छथि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने