0

गोपालगंज। 17 अगस्त। मिथिला समेत सगर बिहार म' बाढ़िक कहर जारी अछि। राज्य भरी म' बाढ़िक कारण सँ मरै बलाक संख्या बढ़िके 161 पहुंच गेल अछि। अगबे मिथिलांचल इलाका म' एखन धरी 108 लोगक मौत भ' चुकल अछि। सभसँ बेसी 40 केर मौत अररिया जिला म' भेल अछि। 

बाढ़ि सँ बिहारक 21 जिला प्रभावित अछि, मुदा सभसँ बेसी माएर राज्यक 14 जिला पर पड़ल अछि। आए भोर गोपलगंज जिला म' गंडक के तेज धार म' एक युवक बही गेल। सदौवा लग एनएच-28 पार करबाक दौरान ई हादसा भेल। ओतहि, पूर्वी चंपारण म' आए भोर बाढ़िक पैन म' डुबला सँ दू बच्चा केर मौत भ' गेल। 
पूर्णिया म' बाढ़िक पैन म' डुबला सँ तीन केर मौतक खबैर अछि। अमौर के सूरजापुर म' महिला समेत दू गोटाक मौत भ' गेल, ओतहि, सिमलबाड़ी नगरा टोला म' एक युवक केर मौतक खबैर अछि।

प्राप्त सूचनाक मुताविक राज्य सरकार द्वारा गोपालगंज जिला क' बाढ़ि सँ प्रभावित जिला म' शामिल काएल गेल अछि। आपदा प्रबंधन विभाग केँ अधिकारी लगातार जिला म' कैंप क' रहल छथि, बाढ़िक कहर थमबाक नाम नहि ल' रहल अछि। जेडीयू प्रदेश महासचिव मंजीत सिंह द्वारा गोपालगंज क' सेना केर हवाले करबाक मांग काएल गेल। बैकुंठपुर के कैको इलाका म' लोग बाढ़िक पैन म' फसल छथि।
गोपालगंज म' सिधवलिया के सदौवा गाम लग मुख्र्य तटबंध टुटबाक बाद  गंडक नदी के पैन आए भोर एन एच पार करि तेजी सँ सिधवलिया प्रखंड मूख्यालय दिस पसैर रहल अछि। सिधवलिया के रामपुर सँ सदौवा हाई स्कूल धरी एन एच पर तीन फीट पैन बही रहल अछि। हाईवे पर वाहन सभक आवागमन बंद कराओल गेल अछि।एनडीआरएफ केर टीम बाढ़ि म' फसल लोग सभके निकालबा म' जुटल छथि।

ख़तरा केर निशान सँ ऊपर बही रहल सरयू नदी केर तटबंध पर दबाव बढ़ी गेल अछि, कैको जगह पर कटाव जारी अछि, जाहिक कारण सँ गोपालगंज पर खतरा मंडरा रहल अछि।
पूर्वी चंपारण के एनएच-104 पर बाढ़िक पैनक भ' रहल बहाव बहाव, जाहि कारण सँ  दर्जनों गाम टापू म' बदैल गेल अछि। बाढ़िक राहत आओर बचाव म' जवान जुटल अछि। एनडीआरएफ के 27, एसडीआरएफ के 16 टीम  राहत काज म' लागल अछि, ओतहि सेना के 2186 जवान बचाव काज म' लागल अछि। 

सहरसा केँ सौरबाजारक कैको गाम म' कैल्हि राति एकाएक बाढ़ि प्रवेश क' गेल। 2008 के बाद पहिल बेर एहि सभ गाम म' बाढ़िक पैन पहुँचल अछि।  मुजफ्फरपुर म' गंडक नदी के जलस्तर म' कमी अएबाक खबैर अछि, जलस्तर म' आठ इंच के कमी बताओल जे रहल अछि। 

राज्य भरी म' करीब 75 लाख लोग बाढ़िक चपेट म' अछि। राहत आओर बचाव काज युद्धस्तर पर चलाओल जे रहल अछि। एनडीआरएफ, एसडीआरएफ सहित सेना केर जवान मुस्तैदी सँ तैनात अछि। एखन धरी  2 लाख 74 हजार लोग क' सुरक्षित जगह पर पहुँचाओल गेल अछि। 

राज्य म' मुजफ्फरपुर, किशनगंज, अररिया, पूर्णिया, कटिहार, पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण, दरभंगा, मधुबनी, सीतामढ़ी, शिवहर, सुपौल आओर मधेपुरा जिला बाढ़ि सँ प्रभावित अछि। बिहार सरकार द्वारा बचाव काज म' एनडीआरएफ के 4 अतिरिक्त टीम क' तैनात काएल गेल अछि। अररिया, किशनगंज, कटिहार, पूर्णिया म' हालात एखनो बेकाबू बताओल जे रहल अछि। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035