जिन्दा जड़ेबाक मामलामे स्थानीय लोगक उग्र भीड़ कएलनि दोकान सभमे तोड़फोड़, पुलिस कएलनि लाठीचार्ज

दरभंगा। 27 मार्च। [गणेश झा] लहेरियासराय थाना क्षेत्र के कॉमर्शियल चौक लग कैल्ह जमीनक विवादमे दिन दहाड़े मनोज कुमार चौधरी कए जिंदा जड़ेबाक मामला मे स्थानीय लोग उग्र भ' लहेरियासराय टावर के जाम करि जिला प्रशासन केर विरोध मे नाराबाजी करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर पुतला दहन करबाक बाद राहगीर सभ संग माएरपीट करे लागलनि। 

स्थितिक गंभीरता के देखैत उग्र भीड़ कए शांत करे पहुंचल पुलिस कए पहिने आंदोलनकारी सभ खदेड़ देलैन्ह आओर आरोपी सभक दोकान मे तोड़फोड़ करे लागलनि। जाहिके शांत करबाक लेल पुलिस पहिने उग्र भीड़ सँ बात करि बुझेबाक असफल कोशिश कएलनि, उग्र भीड़ पुलिस के कुनु बात पर बिना ध्यान देना आरोपी के दोकान तोड़े लगलनि। भीड़क उग्रता देखैत पुलिस पहिने रोकने प्रयास केलनि मुदा जखन  उग्र भीड़ अनियंत्रित भ' गेल तेँ पुलिस भीड़ क' शांत करबाक लेल लाठीचार्ज केलनि। 

खबैर अछि कि पुलिस आंदोलनकारी सभके दौड़ा-दौड़ा पिटलनि। भागबाक क्रम मे कैको लोग नाली मे खसला तेँ कैको सड़क पर। पुलिसिया लाठीचार्ज मे आधा दर्जन से बेसी लोग घायल बताओल जे रहल छथि जाहिमे 2 महिला सेहो छथि। बाद मे पुलिस सभ घायल के ईलाज लेल दरभंगा डीएमसीएच अपन गाड़ीसँ जता सभक ईलाज भेल।   गई जहॉं उनका ईलाज चल रहा हे। पुलिस एहि मामला के गंभीर सँ लैत अज्ञात केर नाम प्राथमिकी दर्ज कएलनि अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने