पेपर लीक मामला : सुधीर कुमार के सिविल कोर्टमे पेशी, आब निगरानी अदालत मे होयत सुनवाई - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 9 मार्च 2017

पेपर लीक मामला : सुधीर कुमार के सिविल कोर्टमे पेशी, आब निगरानी अदालत मे होयत सुनवाई

पटना। 09 मार्च। बिहार राज्य कर्मचारी चयन आयोग केर इंटर स्तरीय परीक्षाक प्रश्न पत्र आओर आंसर के लीक होयबाक मामलाक सुनवाई आब  निगरानी केर विशेष अदालत मे होयत। पटना सिटी सिविल कोर्ट से एहि मामलाक सभ रिकॉर्ड क' विशेष अदालत मे पहुंचाओल गेल अछि। आयोग के निलंबित अध्यक्ष सुधीर कुमार सहित आठ आरोपि सभक पहिल बेर निगरानी केर विशेष अदालत मे पेश कायल गेल। पहिने पटना सिटी व्यवहार न्यायालय मे सभक पेशी वीडियो कांफ्रेंसिंग द्वारा भेल।

गौरतलब अछि कि एहि मामलाक  अनुसंधानकर्ता पटना सिटी व्यवहार न्यायालय के एसीजेएम ख्याति सिंह केर अदालत मे एक आवेदन द' कहने छल कि चूंकि एहि मामलाक कैको आरोपी लोकसेवक छैथ, एहिलेल प्राथमिकी मे भ्रष्टाचार निरोधक अधिनियम केर धारा जोड़ब आवश्यक अछि। अनुसंधानकर्ता के अनुरोध क' कोर्ट स्वीकार केलैन्ह।

कोर्ट सँ इयो अनुरोध कायल गेल छल कि प्राथमिकी मे भ्रष्टाचार निरोधक अधिनियम केर धारा जोड़बाक बाद मामलाक अगला सुनवाई लेल संबंधित रिकार्ड क' निगरानी केर विशेष अदालत मे भेजल जाए। एहि आलोक मे एसीजेएम रिकॉर्ड क' विशेष अदालत मे भेजबाक आदेश देलनि।