पहिल अप्रैल से आएत Jio के टैरिफ प्लान, वॉइस कॉल आओर रोमिंग रहत फ्री - मिथिला दैनिक

Breaking

मंगलवार, 21 फ़रवरी 2017

पहिल अप्रैल से आएत Jio के टैरिफ प्लान, वॉइस कॉल आओर रोमिंग रहत फ्री

मुम्बई। 21 फरवरी। मुकेश अंबानी आय मंगलवार दिन रिलायंस जियो लेल अहम एलान कएलन्हि अछि। मुकेश अंबानी कहलैन्ह कि बहुत तेजी से ग्राहक जियो संग जुईर रहल अछि। सिर्फ 170 दिन मे ई तादाद 10 करोड़ से बेसी पहुँच गेल अछि। ओतहि हर महीना ग्राहक सभ 100 करोड़ गीगाबाइट्स डेटा यूज केलन्हि अछि। भारत, मोबाइल डेटा यूज करबा मे दुनिया मे नंबर एक पर अछि। 

अपने के बता दी मुकेश अंबानी के कंपनी रिलायंस पिछले बरख पहिल  सितंबर दिन जियो के  4G सर्विस लॉन्च केना छल। 

मुकेश अंबानी द्वारा कहल गेल किछ मुख्य बात...

  1. सिर्फ 6 माह मे भारत आओर भारतीय सभ साबित क' देलैन्ह कि ओ  दुनियाक कुनुभि देशक तुलना मे तेज आओर बेसी डाटा उपयोग के सकैत छैथ। ग्राहक सभके बहुत-बहुत धन्यवाद। 
  2. हर माह जियो उपभोक्ता 100 करोड़ गीगाबाइट्स डेटा उपयोग केलैन्ह। ई हर एक दिन 3.3 करोड़ जीबी से बेसी अछि।
  3. जियो से हर मिनट 2 करोड़ वॉइस कॉल कायल गेल
  4. पहिल अप्रैल से जियो टैरिफ प्लान केर शुरुआत करत। टैरिफ के बादो वॉयस कॉल आओर रोमिंग फ्री रहत। सभ नेटवर्क पर वॉयस कॉल फ्री होयत। बाकी टेलिकॉम ऑपरेटर्स के अपेक्षा जियो 20% बेसी डेटा देत। 
  5. हमरा जियो के शुरुआती 10 करोड़ ग्राहक से खास लगाव अछि। अपने हमरा पर विश्वास कि कएलहुँ, ऐहिक लेल आभारी छी। जे सभ जियो संग छैथ, हुनका आबै बला दिनमे सभसे बेसी फायदा भेटत। ई हम्मर कर्तव्य अछि।
  6. पहिल मार्च से जियो प्राइम मेंबरशिप लॉन्च कायल जायत। 99 टाका मे एक बरखक लेल जियो प्राइम मेंबरशिप देल जायत। प्राइम सदस्य के  303 टाकाक प्लान देल जायत। प्राइम सदस्य के जियो मीडिया बुक  भेटत। प्राइम सदस्य के एक बरखक लेल आओर न्यू ईयर ऑफर यानी फ्री सर्विस भेटत।