0

सहरसा। 25 फरवरी। कोसी इलाका के धार्मिक, पौराणिक व ऐतिहासिक सांस्कृतिक विरासत क' देश आओर दुनिया केर समक्ष आनबाक लेल आयोजित होमै बला कोसी महोत्सव के आयोजन केर तिथि निर्धारित भ' गेल अछि।

समाहरणालय सभागार मे जिलाधिकारी विनोद सिंह गुंजियाल केर  अध्यक्षता मे आगामी मार्च महीने मे होमै बला कोसी महोत्सव केर तैयारी के लेल बैठक आयोजित कायल गेल। एहि बरख कोसी महोत्सव 24-25 मार्च दिन आयोजित होयत। दुई दिन धरी चलै बला महोत्सव मे स्थानीय कलाकार सभक अलावा दोसर राज्य सभक लोकप्रिय लोक संस्कृति सँ जुड़ल कार्यक्रम के आयोजन पर विचार विमर्श कायल गेल आओर कलाकार सभक चयन उपविकास आयुक्त केर अध्यक्षता मे गठित चयन समिति केर माध्यम सँ कायल जायत। 

कोसी महोत्सव के लेल मुख्य पंडाल समिति, मंच सजावट समिति, सांस्कृतिक कार्यक्रम समिति, खेलकूद समिति सहित विभिन्न कमिटी सभक गठन कायल गेल। कोसी महोत्सव में स्मारिका सह सचित्र विवरण प्रकाशित करबाक सेहो निर्णय लेल गेल जाहिमे आलेख सभक संगे संग  पुरातात्विक, धार्मिक एवं कोसी इलाका के महत्वपूर्ण पर्यटक स्थल सभक  सचित्र विवरण प्रकाशित कायल जायत। स्मारिका प्रकाशन केर दायित्व मुक्तेश्वर सिंह मुकेश क' देल गेलैन्ह आओर स्मारिका के लेल महामहिम राज्यपाल, मुख्यमंत्री, मंत्री एवं विधायक केर संदेश प्राप्त करबाक जिम्मेदारी डीपीआरओ बिंदुसार मंडल क' सहरसा सामान्य शाखा के समन्वय सँ उपलब्ध करेबाक निर्णय लेल गेल। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035