सभ पंचायत सँ आयल अध्यक्ष से ओ बेरा - बेरी से संगठन केर जानकारी लेलिह। संगहि उच्च विद्यालय चैनपुर, शशिकला मध्य विद्यालय पहुंच स्कूल केर व्यवस्था पर नाराजगी जतबैत प्रधानाचार्य एवं सभ शिक्षक लोकनि के स्कूल संचालन मे कुनु तरहक गड़बड़ी नहि करबाक हिदायत देलीह। बैसार मे उपस्थित जिला अध्यक्ष आशुतोष कुमार झा, अकील अहमद, राजेंद्र यादव, साहेब पासवान, खुशीलाल यादव, निर्मल झा, प्रशांत ठाकुर, लता देवी, मनी ठाकुर, प्रदीप पासवान, राजवली झा, मुकेश कुमार सिंह, संतोष कुमार, बन्धु, राजेन्द्र मुखिया, प्रभु शर्मा, संजीव पासवान, टुनटुन पासवान सेहो संगठन पर चर्चा कएलन्हि।