लहेरीयासराय मे 29 जनवरी दिन मेगा क्विज प्रतियोगिता केर आयोजन - मिथिला दैनिक

Breaking

बुधवार, 18 जनवरी 2017

लहेरीयासराय मे 29 जनवरी दिन मेगा क्विज प्रतियोगिता केर आयोजन

दरभंगा। 18 जनवरी। लहेरीयासराय स्थित एस आर कोचिंग सेंटर, एल आई सी ऑफिस के नज़दीक लहेरीयासराय मे मेगा क्विज कॉन्टेस्ट केर आयोजन होमे जे रहल अछि, जाहिमे पहिल कक्षा से ल'के विभिन्न प्रतियोगी परीक्षा के तैयारी क' रगाल छात्र छात्रा सभ भाग लेथिन। आयोजक इंजिनियर निशांत व सहयोगी आदित्य कुमार कर्ण कहला कि परीक्षा तीन समूह मे होयत। 

प्रतियोगिता मे भाग लेबाक लेल प्रवेश शुल्क 20 टाका राखल गेल अछि। प्रतियोगिता मे कारक समूह के प्रथम श्रेणी मे उत्तीर्ण छात्र क' 2000 प्रथम पुरस्कार ,1000 द्वितीय व 500 तृतीय पुरस्कार के अलावा 25 सांत्वना अवार्ड देल जायत। 15 बरखक बाद दरभंगा के क्विज मास्टर अमरेश कुमार स्टेज प्रोग्राम के दिन उपस्थित रहता।