अचानक भेल बारिश से लोग सभक परेशानी बढ़ल, कनकनी बढ़बाक आशंका - मिथिला दैनिक

Breaking

मंगलवार, 3 जनवरी 2017

अचानक भेल बारिश से लोग सभक परेशानी बढ़ल, कनकनी बढ़बाक आशंका

पटना। 03 जनवरी। मिथिला समेत सगर बिहार मे मौसम आचनक करवट लेलन्हि अछि। राजधानी पटना सहित कैको जिला मे कैल्ह सोमवार दिन हल्का बारिश भेल, जाहि कारण से प्रदेश मे कनकनी बढ़बाक आशंका बढ़ी गेल अछि। 

कैल्ह पटना केर अधिकतम तापमान 22.4 डिग्री व न्यूनतम तापमान 11.2 डिग्री छल। फिलहाल पटना के लोअर लेबर मे तेज पूर्वा हवा चलबाक कारण नमी आयल अछि, जे पूरा बिहार मे पसरल अछि। एहि कारण न्यूनतम तापमान मे बढ़ोतरी भेल अछि आर एखन अहिना रहबाक संभावना अछि।

राजधानी मे अचानक भेल बारिश से 350वां प्रकाशोत्सव मे शामिल होयबाक लेल आयल लोग सभ के कनिकाल लेल परेशानी केर सामना करे पड़लन्हि। पटना के गांधी मैदान, कंगन घाट आर बाइपास इलाके मे टेंट सिटी केर निर्माण कायल गेल अछि। 

मौसम विभाग अप्पन वेबसाइट पर 2 दिनो धरी एहि प्रकार के मौसम रहबाक सूचना जारी केना अछि।