मानव श्रृंखला मे बच्चा सभके शामिल करबा पर हाई कोर्ट नाराज, कैल्ह फेर होयत सुनवाई - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 19 जनवरी 2017

मानव श्रृंखला मे बच्चा सभके शामिल करबा पर हाई कोर्ट नाराज, कैल्ह फेर होयत सुनवाई

पटना। 19 जनवरी। 21 जनवरी दिन शराबबंदी के समर्थन मे बनै बला विश्व के सभसे पैघ मानव श्रृंखला मे बच्चा सभके शामिल करबा पर आय हाई कोर्ट मे सुनवाई भेल। सुनवाई के दौरान कोर्ट एहि मामला मे बहुत नाराजगी जतौलन्हि।

पटना हाईकोर्ट शराबबंदी के पक्ष मे 21 जनवरी दिन पूरा राज्य मे बनै बला मानव श्रृंखला लेल सरकार से जवाब मांगने छल। कैल्ह बुधवार दिन  कार्यकारी मुख्य न्यायाधीश जस्टिस हेमंत गुप्ता आर जस्टिस सुधीर सिंह केर कोर्ट अधिवक्ता शशिभूषण प्रताप के याचिका पर सरकार से एहि मामला मे जवाब मांगने छल। 

कोर्ट कहलनि कि आखिर कुन कानून केर तहत 21 जनवरी क' सभ  नेशनल हाइवे पर पांच घंटाक लेल आवागमन बंद कायल जायत? कुन  कानून के तहत स्कूली बच्चा सभके सड़क पर उतरबाक लेल कहल गेल अछि? कोर्ट सख्त भ' सुनवाई के दौरान कहलनि कि सरकार बच्चा सभके  शराब के बारे मे जानकारी देबा चाहैत अछि ?

याचिकाकर्ता कोर्ट से कहलनि कि मानव श्रृंखला केर नाम पर सरकार  तमाशा मचा रहल अछि। स्कूली बच्चा सभके मानव श्रृंखला मे शामिल होयबाक आदेश देल गेल अछि, सरकारी कामकाज का' बंद करि मानव श्रृंखला मे शामिल होयबाक लेल कहल गेल अछि, पांच घंटा धरी पूरा प्रदेश ठप रहत। एहि दौरान किनको मौत भ' गेलन्हि या इलाज लेल बाहर निकले पड़ल तेँ ऐहिक  लेल सरकार की प्रबंध केलन्हि अछि।  कोर्ट एहि सभ बिन्दु पर सरकार से जवाब मांगलन्हि अछि। एहि याचिका पर  कैल्ह फेर सुनवाई होयत।