सहरसा। 17 दिसम्बर। KIIT केर द्वारा आयोजित नन्हीपरी - लिटिल मिस इंडिया प्रतियोगिता म' सहरसा केर बेटी फाइनल राउंड म' अप्पन जगह बनेलीह। देशक विभिन्न शहर म' भेल ऑडिशन के बाद अंतिम राउंड के लेल कुल 32 प्रतिभागि सभक चयन कायल गेल अछि। प्रतिभागी सभक चयन नृत्य, गायन, आत्मविश्वास आर फेसबुक लाइक केर आधार पर कायल जायत।
मूल रूप सँ सौरबाजार प्रखंड के भवटिया गामक श्री योगेश झा एवं श्रीमती विनीता झा केर पुत्री यशश्वी पटना के श्री राम सेंट्रल स्कूल के वर्ग नवीं केर छात्रा छथि। हुनकर भाई आनंद बतेलन्हि कि बचपने सँ यशश्वी केर रुझान नृत्य एवं गायन केर क्षेत्र म' रहल अछि आर भविष्य म' ओ मॉडलिंग केर क्षेत्र म' अप्पन करियर बनबे चाहैत छथि।
नन्हीपरी - लिटिल मिस इंडिया केर अंतिम राउंड 28-30 दिसम्बर क' भुवनेश्वर म' होयत, जते फेसबुक लाइक्स के संगे संग आन विधा सभ म' उत्कृष्ट प्रदर्शन कराइ बाला प्रतिभागि क' पुरस्कृत कायल जायत।