वाजपेयी जी केर जयंति पर उठल मिथिला राज्य बनेबाक मांग - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 26 दिसंबर 2016

वाजपेयी जी केर जयंति पर उठल मिथिला राज्य बनेबाक मांग

समस्तीपुर। 26 दिसम्बर। दलसिंहसराय प्रखंड के भट्गामा गाम मे कैल्ह रविवार दिन अन्तराष्ट्रीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति केर तत्वावधान मे पूर्व प्रधानमंत्री पद्मश्री अटल बिहारी वाजपेयी केर 92वां जन्म दिवस समारोहपूर्वक मनाओल गेल। 

समारोह केर अध्यक्षता डॉ. सत्यनारायण महतो केलन्हि। समारोह क' संबोधित करैत शिक्षाविद् प्रो. उदयशंकर मिश्र कहला कि मैथली भाषा क' अटल बिहारी वाजपेयी के शासन काल मे संविधान केर अष्टम सूची मे शामिल कायल गेल छल। जाहितरहे संविधान केर सूची मे  मैथली भाषा क' शामिल कायल गेल, ओहि तरहे मिथिला वासि सभक मांग पर भारत सरकार मिथिला राज्य केर स्थापना करैथ। 

समारोह केर संचालन प्रो. प्रवीण कुमार झा प्रेम केलन्हि। समारोह क' शिला नाथ मिश्र, मो.सदरे आलम खां, संजय कुमार मिश्र, कौशल कुमार, अरुण कुमार झा, प्रो.हीरानंद झा, अफरोज आलम, विकास कुमार, संतोष कुमार, वीरेंद्र झा, सुशांत चन्द्र मिश्र, प्रो.आर.बी.रजक आर अन्य संबोधित केलन्हि। समारोह मे बहुत रास गण्यमान्य लोकनि सेहो उपस्थित छलाह। समारोह के समापन श्री वीरेंद्र झा के धन्यवाद ज्ञापन संग भेल।